दरभंगा, समदिया
भारतक विपक्षक नेता राहुल गांधी कें दरभंगा जिला प्रशासन 15 मई कें होमयवला कार्यक्रमक अनुमति नहि देलक। जिला कल्याण पदाधिकारी आलोक कुमार द्वारा बाकायदा पत्र जारी कए कांग्रेस पार्टी कें ई जानकारी देल गेल। एहि पर कांग्रेस संग-संग समूचा विपक्ष तीव्र प्रतिक्रिया देलक अछि। कांग्रेस नेता सभक कहब अछि जे सरकारक इशारा पर जानबूझिकए एहन कएल जा रहल अछि।
पटना मे आयोजित प्रेस कांफ्रेंस मे कांग्रेस प्रवक्तासभ राज्य सरकार पर तीखा हमला करैत दरभंगा जिला प्रशासन सं अनुरोध कएलनि जे ओ निर्णय पर पुनर्विचार कए कार्यक्रमक अनुमति देबाक व्यवस्था करथि। कांग्रेस ई कहलक जे ‘शिक्षा न्याय संवाद’ सन महत्वपूर्ण कार्यक्रम, जाहि मे राहुल गांधी दलित विद्यार्थीसभ सं संवाद करयवाला छलथि, कें अनुमति नहि देब दुर्भाग्यपूर्ण अछि।
बृहस्पति कें दरभंगा जिला स्थित डॉ. भीमराव अंबेडकर छात्रावास मे कांग्रेस नेता राहुल गांधीक कार्यक्रम निर्धारित छल, मुदा आब ओ कार्यक्रम पर संशय अछि। जिला कल्याण पदाधिकारी दिस सं जारी पत्र मे कहल गेल अछि जे कार्यक्रमक अनुमति नहि देल जा रहल अछि। राहुल गांधी बृहस्पतिक भोर 11 बजे दलित आ अल्पसंख्यक छात्रसंघ संवाद करयवाला छलाह।
सूत्रक अनुसार, कांग्रेस कार्यकर्ता बिना विधिवत अनुमति प्राप्त कए कार्यक्रमक तैयारी मे लागि गेल छलाह। बताओल जा रहल अछि जे अनुसूचित जाति एवं अनुसूचित जनजाति कल्याण विभाग सं आवश्यक अनुमति नहि लेल गेल छल। दोसर दिस, पटना मे सेहो राहुल गांधीक कार्यक्रम तय अछि।
कांग्रेस प्रदेश अध्यक्ष राजेश राम कहलनि जे हम अखन दरभंगा मे छी आ पूरा प्रयास मे छी जे राहुल गांधीक कार्यक्रम एतय हो।
असल मे, राहुल गांधी दरभंगा मे आयोजित होमय वला ‘शिक्षा न्याय संवाद’ कार्यक्रम मे शामिल होइतथि। कांग्रेसक अनुसार, ओ डॉ. अंबेडकर कल्याण छात्रावास मे दलित आ अल्पसंख्यक छात्रसं भेंट करितथि, हुनक बात सुनितथि आ संवाद करितथि। हुनका संग कांग्रेसक राष्ट्रीय स्तरक नेतासभ सेहो आबय वला छलथि। कांग्रेसक रणनीति अनुसार, एहि दौरा सं दलित आ अति पिछड़ल वर्गक मतदाता पर सीधा प्रभाव पड़त।



