25 सितंबर सं पंचायत आ वार्ड स्तर पर लागत सेवा सेतु शिविर
- 6 सं 8 अक्टूबर धरि मिशन मोड मे आवेदनक होयत निष्पादन
-
अभियान सं आम लोक कें भेटत योजना आ सेवाक सीधा लाभ
मधुबनी, समदिया
सेवा संकल्प अभियानक अंतर्गत आम लोक कें सरकारी योजना आ सेवाक लाभ सरल, पारदर्शी आ समयबद्ध रूप सं उपलब्ध करयबाक लेल सेवा सेतु शिविर। सरकार अपने द्वार कार्यक्रमक आयोजन कएल जा रहल अछि। एहि अंतर्गत जिला मे 25 सितंबर सं पंचायतवार आ वार्डवार शिविर लगाओल जाएत। शिविर मे आम नागरिक अपन समस्या, शिकायत आ विभिन्न सरकारी योजना तथा सेवा सं संबंधित आवेदन जमा कए सकताह। प्राप्त आवेदन आ शिकायतक शीघ्र निष्पादन लेल 6, 7 आ 8 अक्टूबर कें विशेष मिशन मोड अभियान चलाओल जाएत। एहि दौरान पात्र लाभुकक आवेदनक जांच-पड़ताल कए निर्धारित प्रक्रिया अनुसार निष्पादन करैत हुनका संबंधित सरकारी योजना आ सेवाक लाभ देल जाएत। आवेदक सभ कें अपन आवेदनक स्थिति आ निष्पादनक जानकारी सेहो उपलब्ध कराओल जाएत। जिलाधिकारीक निर्देश पर उप विकास आयुक्त द्वारा जिला, अनुमंडल आ प्रखंडक प्रशासनिक एवं पुलिस अधिकारी सभक संग वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यम सं बैसार कएल गेल। एहि दौरान सेवा सेतु शिविरक सफल आयोजन लेल आवश्यक दिशा-निर्देश देल गेल। विभागीय अधिकारी सभ कें सूक्ष्म योजना तैयार कए स्थलवार कर्मीक तैनाती करबाक कहल गेल, जाहि सं विभागवार प्राप्त आवेदनक संधारण आ निष्पादन निर्धारित समय सीमा मे गुणवत्तापूर्वक कएल जा सकय।
शिविरक मुख्य उद्देश्य सरकारी योजना आ सेवा कें आम लोकक घर-द्वार धरि पहुंचेनाइ आ पात्र व्यक्ति सभ कें योजनाक लाभ दिलेबाक प्रक्रिया कें सरल बनौनाइ अछि। शिविर मे केंद्र आ राज्य सरकारक जनकल्याणकारी योजना आ सेवा लेल आवेदन देल जा सकत। 6 सं 8 अक्टूबर धरि चलयवला अभियान मे लंबित आवेदनक समीक्षा कए प्राथमिकताक आधार पर निष्पादन कएल जाएत। जे मामिला तत्काल निष्पादित नहि भए सकत, ताहि संबंध मे आवेदक कें स्पष्ट जानकारी देबाक निर्देश देल गेल अछि। प्रखंड लेल प्रतिनियुक्त वरीय पदाधिकारी, अनुमंडल पदाधिकारी आ भूमि सुधार उप समाहर्ता सभ कें शिविरक सतत अनुश्रवण करबाक कहल गेल अछि। शिविरक व्यापक प्रचार-प्रसार लेल पंचायत प्रतिनिधि सभक संग बैसार, होर्डिंग, फ्लेक्स, माइकिंग सहित अन्य माध्यमक उपयोग करबाक निर्देश देल गेल अछि।
जिलाधिकारी आनंद शर्मा आम नागरिक सभ सं अपील केलनि जे अपन पंचायत आ वार्ड मे आयोजित सेवा सेतु शिविर मे पहुंचि अपन समस्या आ आवेदन दर्ज कराबी। ओ कहलनि जे प्रशासनक उद्देश्य पात्र लाभुक धरि सरकारी योजना आ सेवाक लाभ सरल, पारदर्शी आ समयबद्ध ढंग सं पहुंचेनाइ अछि। पंचायत प्रतिनिधि, जनप्रतिनिधि आ आम नागरिक सभ सं सेहो शिविरक जानकारी बेसी सं बेसी लोक धरि पहुंचयबाक अपील कएल गेल अछि, जाहि सं कोनो पात्र व्यक्ति जानकारीक अभाव मे योजनाक लाभ सं वंचित नहि रहि जाय।