किशनगंज, समदिया
भागलपुर सं हिन्दू स्वाभिमान यात्रा लए कए किशनगंज पहुंचला पर केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह मंगल दिन एहि यात्राक समापनक क्रम मे किशनगंज पुलिस पर एतेक भड़कलाह जे जाबत धरि हुनकर बात नहि सुनल गेल, ताबत धरि ओ अपन रथ पर स्वामी दीपांकर संग हनुमान चालीसाक पाठ करैत रहलाह। पुलिस भाजपा नेताक यात्रा मे शामिल कलश यात्रीक भीड़ कें सभा स्थल सं हटा देने छल। एहि बात पर गिरिराज सिंह कें तामस उठि गेलनि। ओ तखन किशनगंजक जिलाधिकारी कें फोन लगा कए कहलन्हि जे जाबत धरि कलश यात्री वापस नहि लौटता, ताबत धरि ओ हनुमान चालीसा पढ़ैत रहताह।
जानकारीक अनुसार, यात्राक समापन लेल गिरिराज सिंहक काफिला मंगल दिन गौशाला परिसर सं गांधी चौक पहुंचल। खुजल जीप पर गेलाक बाद गिरिराज सिंह ओहि ठाम रथ पर चढ़ि गेलाह। एक-दू लाइन भाषण देलाक बाद गिरिराज सिंह देखलन्हि जे कलश यात्रा मे आयल लोक कें हटा देल गेल अछि। यात्रा सं जुड़ल लोक सब हुनका कहलक जे अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी गौतम कुमार भीड़ कें हटा देने छथि। एहि बात कें सुनिते गिरिराज सिंह उखड़ि गेलाह।
गिरिराज सिंह रथ पर सं पहिने एसडीपीओ गौतम कुमार कें खूब नीक-बेजाय सुनौलनि। हुनका धमकी देलन्हि जे जं लोक कें वापस नहि आबय देल गेल तं ओ ओही ठाम धरना पर बैठि जेता। एकर गिरिराज सिंह डीएम कें फोन लगौलन्हि आ फेर रथ पर हनुमान चालीसाक पाठ शुरू कए देलनि।



