एसआईआर पर मुख्यमंत्री कहलनि- राहुल-तेजस्वी आरोप लगबैत छथि…सबूत नहि दैत छथि
कहलनि- विपक्ष एकोटा आदमी सेहो ठाढ़ नहि कए सकल, जकर नाम मतदाता सूची मे नहि हो
मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कएलनि प्रेस कॉन्फ्रेंस
फोटो 102
पटना। बिहार मे विशेष गहन पुनरीक्षण (एसआईआर) कें लए मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी रवि दिन प्रेस कॉन्फ्रेंस कएलनि। ओ एसआईआर प्रक्रिया आ मतदाता सूची कें लए विपक्ष दिस सं उठाओल गेल सवालक जवाब देलनि।
सम्राट चौधरी कहलनि जे बिहार मे एसआईआर पहिल बेर 2025 मे नहि भेल अछि। जखन राबड़ी देवी मुख्यमंत्री छलीह, तखन सेहो बिहार मे एसआईआर कराओल गेल छल। 2003 मे सेहो ई प्रक्रिया पूरा कएल गेल छल। ओहि समय करीब 4.96 करोड़ मतदाता छलाह।
एसआईआर पर विपक्षी सवालक लए सम्राट चौधरी कहलनि जे विपक्ष एखन धरि एहन एकोटा व्यक्ति कें सोझा नहि आनि सकल, जे बिहारक रहनिहार हो आ जिनकर नाम मतदाता सूची सं गलत तरीका सं हटा देल गेल हो। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलनि जे एसआईआर के दौरान बूथ स्तरीय अधिकारी घर-घर जा कए मतदाता सभ सं संपर्क कएलनि। एकर बाद प्रारूप मतदाता सूची जारी कएल गेल आ लोक सभ कें दावा आ आपत्ति दर्ज करबाक मौका सेहो देल गेल।
ओ कहलनि जे 2025क प्रक्रिया मे करीब 7.42 करोड़ मतदाताक पहचान कएल गेल। जांचक दौरान करीब 22 लाख मृत मतदाता भेटलाह। ओतहि करीब 36 लाख लोक एक जगह सं दोसर जगह जा चुकल छलाह।
एकर अतिरिक्त करीब 7 लाख लोकक नाम दूनू जगहक मतदाता सूची मे पाओल गेल। ओ कहलनि जे 2025 मे प्रारूप मतदाता सूची जारी भेलाक बाद फेर समय-सीमा खोलल गेल आ दावा-आपत्ति करबाक मौका देल गेल।
प्रेस कॉन्फ्रेंस के दौरान मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव आ कांग्रेस नेता राहुल गांधी पर पर्यटन बला तंज कसलनि। ओ कहलनि, “राहुल गांधी राघोपुरक लोक कें दिल्ली बजा कए रात्रिभोज करौलनि, जखनकि राष्ट्रीय जनता दलक युवराज तेजस्वी आ कांग्रेसक युवराज राहुल गांधी पर्यटन करबाक लेल बिहार मे घुमैत रहैत छथि।”
ओ गांधी परिवार पर निशाना साधैत कहलनि, “आइ देशक प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बनल छथि तं किछु लोकक पेट मे पीड़ा भए रहल अछि। एहन लोक सवाल उठा रहल छथि, जिनकर परिवार अपना परिवार सं बाहर नहि निकलल आ जे अपन परिवार तक पद सीमित राखलनि।”
मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी एसआईआर कें लए विपक्षी आरोप पर कहलनि, “जखन तक कांग्रेसक सरकार छल, तखन तक एसआईआर कएल जाइत छल आ ओहि समय केकरो कोनो दिक्कत नहि छल। मुदा एकटा गरीब परिवार सं आबय बला व्यक्ति देशक प्रधानमंत्री बनि गेलाह आ हुनकर नेतृत्व मे एसआईआर कएल गेल, तं लोक सभ के परेशानी होमय लागल।”
मुख्यमंत्री सम्राट कहलनि जे राहुल गांधी बेर-बेर देश मे लोकतंत्र नहि रहबाक बात कहैत छथि, मुदा प्रदेशक नेता प्रतिपक्ष होथि वा देशक नेता प्रतिपक्ष, ओ सभ अपन आरोपक संग तथ्य लए कए नहि अबैत छथि। जे लोक आरोप लगा रहल छथि, हुनकर आरोप मे कोनो दम नहि अछि।
मुख्यमंत्री कहलनि, “तीनू मुख्य चुनाव आयुक्त बैसारक बाद प्रेसक सोझा स्पष्ट कए देने छथि जे चुनाव आयोग जे कोनो फैसला लैत अछि, से संयुक्त रूप सं लेल जाइत अछि। एहि संबंध मे आब सभ किछु स्पष्ट भए चुकल अछि।” तेजस्वी यादवक चुनाव रद्द करबाक मांग सं जुड़ल सवाल पर सम्राट चौधरी कहलनि जे जं केकरो लग चुनाव मे गड़बड़ीक कोनो आरोप अछि तं ओकर समर्थन मे दस्तावेज वा साक्ष्य होयबाक चाही। न्यायालय जाएबाक बाट सेहो खुजल अछि।