Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सुपौल मे बढ़ल कोसीक जलस्तर, बराज सं 3.16 लाख क्यूसेक पानि छोड़ल गेल

Avatar
By Samadiya Mithila
September 26, 2026 2 Min Read
0

 

60 सं बेसी गाम मे घुसल बाढ़क पानि

मिथिला सहित उत्तर बिहारक नदी सभक जलस्तर बढ़ि रहल अछि

फोटो 103

सुपौल। सुपौल सं सटल नेपाल मे लगातार भए रहल बरखाक कारण कोसी नदीक जलस्तर बढ़ि रहल अछि। शनि दिन भोरे 7 बजे कोसी बराज सं 3,16,795 क्यूसेक पानि डिस्चार्ज कयल गेल।

एहि मे डाउनस्ट्रीम डिस्चार्ज 3,13,595 क्यूसेक आ डब्ल्यूकेएमसी सं 3,200 क्यूसेक पानि शामिल अछि। ओतहि, बराह क्षेत्र मे भोरे 7 बजे 2,23,700 क्यूसेक पानि दर्ज कयल गेल, जे स्थिर क्रम मे अछि। शुक्र रातिक तुलना मे कोसी बराज सं पानिक डिस्चार्ज मे बढ़ोतरी भेल अछि।

जलस्तर बढ़बाक कारण कोसी तटबंधक भीतर बसल निचला इलाका सभ मे बाढ़िक पानि तेजी सं पसरि रहल अछि। निर्मली, सरायगढ़-भपटियाही, मरौना, किशनपुर आ सुपौल सदर प्रखंडक कतेको गाम प्रभावित अछि। कतेको ठाम लोक सभक घर आ आंगन धरि पानि पहुंचि गेल अछि।

किशनपुरक करीब डेढ़ दर्जन गाम प्रभावित

किशनपुर प्रखंडक किशनपुर उत्तर, दुबियाही, मौजहा आ नौआबाखरक बौराहा पंचायतक करीब डेढ़ दर्जन गाम मे बाढ़क पानि प्रवेश कय गेल अछि। घर आ आंगन धरि पानि पहुंचलाक बाद लोक सभक परेशानी बढ़ि गेल अछि।

सरायगढ़-भपटियाही मे नावक सहारे बाहर निकलि रहल लोक

सरायगढ़-भपटियाही प्रखंडक लौकहा, ढोली आ बनैनिया पंचायतक करीब एक दर्जन गाम बाढ़िक चपेट मे अछि। घर सभक आसपास जलजमाव होयबाक कारण लोक नावक सहारे ऊंच स्थान आ तटबंध दिस जाय लगलाह अछि। मरौना प्रखंडक सिसौनी, घोघरड़िया आ बड़हरा पंचायतक करीब 13 गाम मे सेहो पानि पसरि गेल अछि।

सुपौल सदर प्रखंडक घूरन, बलवा, पिपराखुर्द, बसबिट्टी, गोपालपुर सिरे आ तेलवा सहित करीब 10 गाम मे बाढ़क पानि पसरि गेल अछि। ओतहि, निर्मली प्रखंडक वेलासिंगारमोती आ दिघिया पंचायतक सात सं बेसी गाम प्रभावित अछि। नेपालक तराई, पहाड़ी आ जलग्रहण क्षेत्र सभ मे तीन दिन सं मूसलाधार बरखा भए रहल अछि। एकर असरि उत्तर बिहारक नदी सभ पर देखाइ पड़य लागल अछि। गंडक, कोसी आ बागमतीक जलस्तर मे तेजी सं वृद्धि भए रहल अछि। इम्हर, मधुबनीक मधेपुर प्रखंड मे सेहो नदीक धार सभ मे पानि बढ़ि रहल अछि। गढ़गांव, बसीपट्टीक पूर्वी भाग, भरगामा आ बकुआ पंचायतक मुख्य धार सभ प्रभावित भेल अछि।

वाल्मीकिनगर गंडक बराज सं पानिक डिस्चार्ज लगातार बढ़ि रहल अछि। शुक्र दिन छह घंटा मे डिस्चार्ज 57 हजार क्यूसेक छल। खबर लिखल जाए धरि ई बढ़ि कए 2.67 लाख क्यूसेक पहुंचि गेल अछि।

नेपालक देवा घाट सं सेहो 2.76 लाख क्यूसेक पानिक डिस्चार्ज भेल। पछिला 24 घंटा सं बढ़ैत दबाव के देखैत वाल्मीकिनगर गंडक बराजक सभटा फाटक खोलि देल गेल अछि।

जल संसाधन विभाग स्थिति पर लगातार नजरि रखने अछि। निचला इलाका सभ मे संभावित बाढ़ि कें देखैत अलर्ट बढ़ा देल गेल अछि।

मोतिहारीक डुमरियाघाट आ चनपटिया मे गंडकक जलस्तर लाल निशानक लग पहुंचि गेल अछि। सीतामढ़ी मे बागमती नदी सोनाखान मे खतरा निशान सं 30 सेंटीमीटर ऊपर बहि रहल अछि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithilaबिहार बाढ़िबिहार बाढ़ि समाचारबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

राज्य मे भारी बरखाक अलर्ट, मुख्य सचिव कयलनि उच्चस्तरीय बैठक

Next

खगड़िया मे सीएनजी पर्यटक बस मे लागल आगि, 3 सिलेंडर भेल बलास्ट

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • कच्चा तेल भारतक चिंता बढ़ौलक, चारि साल बाद 10% सं बेसी थोक महंगाई
  • ग्रामीण सभक अटूट आस्था आ परंपराक प्रतीक अछि लोहनाक दुर्गा पूजा
  • बेनीपट्टी मे एनबीएफसी कर्मीक कथित अपहरण कांडक त्वरित उद्भेदन, 5 अभियुक्त गिरफ्तार
  • कॉकरोच पार्टी 16 अक्टूबर कें दिल्ली मे प्रदर्शन करत: दीपके कहलनि- जेल मे डालि दिअ, परवाह नहि; सौरव-आशुतोष 5 दिन लेल तिहाड़ पठाओल गेलाह

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 09-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 07-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • कच्चा तेल भारतक चिंता बढ़ौलक, चारि साल बाद 10% सं बेसी थोक महंगाई
  • ग्रामीण सभक अटूट आस्था आ परंपराक प्रतीक अछि लोहनाक दुर्गा पूजा
  • बेनीपट्टी मे एनबीएफसी कर्मीक कथित अपहरण कांडक त्वरित उद्भेदन, 5 अभियुक्त गिरफ्तार
  • कॉकरोच पार्टी 16 अक्टूबर कें दिल्ली मे प्रदर्शन करत: दीपके कहलनि- जेल मे डालि दिअ, परवाह नहि; सौरव-आशुतोष 5 दिन लेल तिहाड़ पठाओल गेलाह

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech