विज्ञान संगोष्ठी मे ऊर्जा भविष्य पर विद्यार्थीक विचार
सहरसा, समदिया
स्थानीय सुपर मार्केट स्थित प्रमंडलीय पुस्तकालय मे विज्ञान संगोष्ठी-2026 आयोजित भेल। संगोष्ठीक विषय भारतीय ऊर्जा परिदृश्य-2047 : संभावना आ चुनौती रहल। एहि दौरान विभिन्न विद्यालयक विद्यार्थी सभ नवीकरणीय ऊर्जा, ऊर्जा सुरक्षा, जीवाश्म ईंधनपर निर्भरता, पर्यावरण संरक्षण आ विकसित भारतक निर्माण मे स्वच्छ ऊर्जाक भूमिकापर अपन विचार प्रस्तुत कएलनि।
मुख्य अतिथि जिला शिक्षा पदाधिकारी कहलनि जे विज्ञान संगोष्ठी सं विद्यार्थीक वैज्ञानिक ज्ञानक संग तार्किक चिंतन, अनुसंधानक प्रवृत्ति आ समस्या समाधानक क्षमता विकसित होइत अछि। 2047 धरि विकसित भारतक लक्ष्य प्राप्त करबाक लेल सौर, पवन, जल, जैव ऊर्जा आ हरित हाइड्रोजन सन स्वच्छ ऊर्जाक स्रोतक प्रति युवा सभ कें जागरूक आ नवाचारी बनेनाय आवश्यक अछि। जिला कार्यक्रम पदाधिकारी मिथिलेश कुमार कहलनि जे एहि तरहक संगोष्ठी बच्चा सभक जिज्ञासा कें वैज्ञानिक दृष्टिकोण मे बदलबाक माध्यम अछि। बिहार मे सौर ऊर्जा, बायोगैस आ कृषि-अवशेष सं ऊर्जा उत्पादनक व्यापक संभावना अछि। निर्णायक एवं लेखक कुमार विक्रमादित्य कहलनि जे ऊर्जाक भविष्य मात्र उत्पादन बढ़ेबा मे नहि, बल्कि ओकर विवेकपूर्ण आ न्यायपूर्ण उपयोग मे अछि। ओ ऊर्जा संरक्षण कें दैनिक जीवनक हिस्सा बनेबाक अपील कएलनि। प्रतियोगिता मे मॉडल स्कूल, सुपौल के अंकित आनंद प्रथम, भागीरथ उच्च माध्यमिक विद्यालय, चैनपुरक हिमांशु कुमार द्वितीय आ कारी अनंत उच्च विद्यालय, मधैली बाजार, शंकरपुर, मधेपुराक विद्यार्थी तृतीय स्थान प्राप्त कएलनि। निर्णायक मंडल मे कृष्ण कुमार, राजीव कुमार आ आरती कुमारी शामिल छलथि।
====================================================