राति सं गायब मासूमक शव भोर मे गाछी सं भेटल
दलसिंहसराय, समदिया
विद्यापतिनगर थाना क्षेत्रक बढ़ौना पंचायतक वार्ड संख्या-3 स्थित मधुवन टोल मे शनिदिन भोर गाछी सं 10 वर्षीय बच्चाक शव भेटला सं सनसनी पसरि गेल। शव फुलवंतो स्थानक आगू पूर्व मटखनमा गाछी मे भेटल। भोर मे शौच लेल निकलल एक ग्रामीणक नजरि शव पर पड़ल। जानकारी भेटिते आसपासक लोक घटनास्थल पर जुटि गेलाह। किछुए देर मे बच्चाक स्वजन सेहो ओतय पहुंचि गेलाह। मृतकक पहचान बढ़ौना पंचायतक वार्ड संख्या-3 निवासी मंटू साहक पुत्र सुधीर कुमार (10)क रूप मे भेल। स्वजनक अनुसार सुधीर शुक्रदिन राति करीब 9 बजे स्थानीय चौक स्थित आटा चक्कीक लग देखल गेल छल। तकर बाद ओ घर नहि लौटल। देर राति धरि स्वजन ओकर खोज करैत रहलाह, मुदा कोनो पता नहि चलल। शनिदिन भोर गाछी मे शव भेटबाक सूचना भेटिते परिवार मे कोहराम मचि गेल। स्वजनक अनुसार सुधीरक शरीर पर कतेको ठाम चोट आ कटबाक निशान छल। आंखक लग सेहो चोटक निशान देखल गेल। घटनास्थलक आसपास खूनक धब्बा भेटबाक बात कहल गेल अछि। एहि परिस्थिति मे स्वजन बच्चाक हत्या कए शव गाछी मे फेकि देबाक आशंका व्यक्त केलनि। घटनाक सूचना भेटिते थानाध्यक्ष सूरज कुमारक नेतृत्व मे पुलिस टीम घटनास्थल पर पहुंचि जांच शुरू केलक। एसआइ सलीम रजा, एएसआइ रवि कुमार सहित पुलिस बल घटनास्थल पर पहुंचि आसपासक लोक सभ सं पूछताछ केलक। स्वजन सं सेहो घटनाक संबंध मे जानकारी लेल गेल। एफएसएल टीम घटनास्थलक बारीकी सं जांच करैत विभिन्न साक्ष्य आ नमूना एकत्र केलक। पुलिसक अनुसार एकत्र साक्ष्य कें वैज्ञानिक जांच लेल पठाओल जाएत। पुलिस शव कें पोस्टमार्टम लेल पठा देलक अछि। समाचार प्रेषण धरि प्राथमिकी लेल स्वजनक दिस सं आवेदन नहि देल गेल छल। पुलिसक कहब अछि जे पोस्टमार्टम रिपोर्ट, एफएसएल जांच आ आब धरि जुटाओल गेल साक्ष्यक आधार पर मृत्यु कें वास्तविक कारण स्पष्ट भए सकत। सुधीर चारि भाई-बहिन मे सभ सं छोट छल। ओकर पिता मंटू साह कबाड़ीक मजदूरी करैत छथि। परिवारक अनुसार ओकर बहिनक विवाह दू मास बाद होयबाक छल। सुधीरक मृत्यु कें लए कए परिवार मे चीख-पुकार मचल अछि। माय आ अन्य स्वजनक रो-रो कए बुरा हाल अछि। घटनाक बाद गाम मे शोकक संग आक्रोशक माहौल अछि। मुखिया लालबाबू दास, राकेश कुमार चौधरी सहित अन्य ग्रामीण मामिलाक उच्चस्तरीय जांच कए दोषीसभक पता लगाबयक मांग केलनि। दलसिंहसरायक वरीय पुलिस उपाधीक्षक विवेक कुमार शर्मा कहलनि जे बच्चाक मृत्यु सं जुड़ल सभ पहलूक जांच कएल जा रहल अछि। घटनास्थल सं साक्ष्य एकत्र कएल गेल अछि। पोस्टमार्टम आ एफएसएल रिपोर्ट सहित अन्य जांचक आधार पर आगांक कारबाइ कएल जाएत।