भारत-नेपाल सीमा पर घुसपैठ, मादक पदार्थक तस्करी रोकबाक लेल केंद्र आ बिहार मिलि कए करत काज: सीएम
मुख्यमंत्री सचिवालय मे भारत-नेपाल सीमा सं जुड़ल विभिन्न विषय पर उच्चस्तरीय समीक्षा बैठक भेल
पटना।
भारत-नेपाल सीमा पर सुरक्षा व्यवस्था आओर मजबूत करबाक तथा घुसपैठ, फर्जी दस्तावेज, नकली मुद्रा, मादक पदार्थक तस्करी सहित अन्य आपराधिक गतिविधि पर प्रभावी रोक लगेबाक लेल केंद्र आ बिहार सरकार मिलि कए काज करत। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी शनि दिन अधिकारी सभ कें सीमावर्ती क्षेत्र मे लगातार निगरानी रखबाक आ सभ संबंधित एजेंसीक बीच नीक समन्वय सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि।
मुख्यमंत्री सचिवालय मे सीएम सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे भारत-नेपाल सीमा सं जुड़ल विभिन्न विषय पर उच्चस्तरीय समीक्षा बैठक भेल। बैठक मे केंद्रीय गृह राज्यमंत्री नित्यानंद राय आ उपमुख्यमंत्री विजय कुमार चौधरी सेहो शामिल भेलाह। एहि दौरान सीमा सुरक्षा, सीमा प्रबंधन, सीमावर्ती इलाका मे कानून-व्यवस्था आ अवैध गतिविधि रोकबाक संबंध मे विस्तृत प्रस्तुतीकरण देल गेल।
मुख्यमंत्री कहलनि जे भारतक सुरक्षा सर्वोच्च जिम्मेदारी अछि। भारत-नेपाल सीमाक संवेदनशीलता कें देखैत सीमा सुरक्षा आ प्रबंधन व्यवस्था कें लगातार मजबूत कयल जा रहल अछि।
ओ निर्देश देलनि जे सीमा क्षेत्र मे कोनो तरहक अवैध गतिविधि पर प्रभावी नियंत्रण लेल सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी), बिहार पुलिस आ केंद्रीय एजेंसी सभ आपसी समन्वय सं काज करथि।
मुख्यमंत्री सीमावर्ती क्षेत्र मे घुसपैठ, फर्जी दस्तावेजक उपयोग, नकली मुद्रा आ मादक पदार्थक तस्करी पर विशेष निगरानी रखबाक निर्देश देलनि।
सीमावर्ती बैंक सभ मे नकली नोटक पहचान लेल जरूरी मशीनक उपलब्धता सुनिश्चित करबाक आ संदिग्ध वित्तीय लेन-देन तथा फर्जी अथवा संदिग्ध म्यूल बैंक खाता सभक पहचान कए नियमानुसार कारबाइ करबाक लेल कहलनि। मुख्यमंत्री केंद्र सरकारक ‘नशा मुक्त भारत 2029’ लक्ष्यक उल्लेख करैत सीमा क्षेत्र सं मादक पदार्थक आवाजाही रोकबाक लेल प्रभावी कारबाइ करबाक निर्देश देलनि।
ओ कहलनि जे सीमावर्ती जिला सभक जिलाधिकारी आ पुलिस अधिकारी सभक केंद्रीय सुरक्षा आ जांच एजेंसी सभक संग नियमित मासिक समन्वय बैठक होयबाक चाही। एहि सं सूचना आदान-प्रदान आ संदिग्ध गतिविधि पर त्वरित कारबाइ करबा मे सहायता भेटत।
बैठक मे सीमावर्ती क्षेत्र मे गैर-पंजीकृत धार्मिक स्थल सभक पहचान कए प्रचलित कानून आ नियमक अनुसार कारबाइ सुनिश्चित करबाक तथा सीमावर्ती इलाका मे शिक्षाक नीक सुविधा उपलब्ध करयबाक मुद्दा पर सेहो जोर देल गेल। मुख्यमंत्री सभ संबंधित एजेंसीके सतर्कता, सूचना साझा करबाक आ समन्वित कारबाइक संग काज करबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे संवेदनशील क्षेत्र मे सूचना तंत्र मजबूत राखल जाए आ कोनो संदिग्ध गतिविधिक जानकारी भेटला पर त्वरित एवं नियमानुसार कारबाइ कयल जाए।
बैठक मे मुख्यमंत्रीक प्रधान सचिव दीपक कुमार, मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत, पुलिस महानिदेशक प्रीता वर्मा, गृह विभागक प्रधान सचिव पंकज कुमार, स्पेशल ब्रांचक पुलिस महानिदेशक कुंदन कृष्णन सहित विभिन्न विभागक वरिष्ठ अधिकारी आ केंद्रीय एजेंसी सभक पदाधिकारी उपस्थित छलाह।