30 वाटर कैनन आ 86 वज्र वाहन किनत सम्राट सरकार
उपद्रवी तत्व सावधान! 30 वाटर कैनन आ 86 वज्र वाहन किनत सम्राट सरकार
- सम्राट कैबिनेटक बैसार मे कुल 30 प्रस्ताव पर लागल मोहर
फोटो : सम्राट
पटना, समदिया
धरना-प्रदर्शन आ आंदोलनक समय कानून-व्यवस्था बनौने रखबाक लेल बिहार सरकार तैयारी तेज कए देलक अछि। बुधदिन मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे भेल कैबिनेटक बैठक मे 30 वाटर कैनन आ 86 वज्र वाहन किनबाक मंजूरी देल गेल। एहि पर सरकार करीब 62 करोड़ टका खर्च करत। बैठक मे कुल 30 प्रस्ताव पर मोहर लागल। बिहार संग्रहालय मे 35 पद पर अस्थायी नियुक्ति कें सेहो स्वीकृति देल गेल। नियमित नियुक्ति होयबा धरि ई पद संविदा अथवा निविदाक माध्यम सं भरल जाएत। राज्य मे हरित हाइड्रोजनक उत्पादन आ उपयोग कें बढ़ावा देबाक लेल बिहार हरित हाइड्रोजन नीति-2026क प्रारूप कें सेहो मंजूरी भेटल।
कैबिनेटक निर्णय अनुसार कैमूर आ रोहतास जिलाक 177 गामक 21,644 घर कें आरडीएसएसक अंतर्गत विद्युतीकरण सं जोड़ल जाएत। एहि योजनाक लागत 117.80 करोड़ सं बढ़ा कए 361.86 करोड़ रुपैया कएल गेल अछि।
बहादुरपुर मे आवास बोर्डक दू परियोजना
पटना नगरक बहादुरपुर सेक्टर-6 स्थित जर्जर आवासीय कॉलोनीक स्व-वित्तपोषित पुनर्विकास लेल एनबीसीसीक संग समझौता ज्ञापन करबाक अधिकार बिहार राज्य आवास बोर्ड कें देल गेल। बहादुरपुर सेक्टर-5 मे टीवी टावर लग 8.5 एकड़ जमीन पर स्व-वित्तपोषित परियोजना लेल सेहो एनबीसीसीक संग समझौता करबाक स्वीकृति देल गेल।
कैबिनेट सप्तम राज्य वित्त आयोगक अंतरिम प्रतिवेदन मे देल अनुशंसा सभ कें वित्तीय वर्ष 2026-27 आ 2027-28 मे लागू करबाक निर्णय लेलक।
मुंगेर आ पटना मे सड़क परियोजना
मुंगेरक तारापुर बाइपास पथक 7 किलोमीटर भाग लेल 115.90 करोड़ रुपैयाक प्रथम पुनरीक्षित प्रशासनिक स्वीकृति देल गेल। रनगांव-भागलपुरा पथ सं धौनी भाया विसय मे बाइपास निर्माण लेल 87.63 करोड़ रुपैयाक मंजूरी भेटल। पटना मे मीठापुर-महुली एलिवेटेड पथ सं दू-लेन डाउन रैंप आ परसा-संपतचक पथक संरेखण मे दू-लेन एट-ग्रेड सड़क निर्माण लेल 82.26 करोड़ रुपैयाक प्रशासनिक स्वीकृति देल गेल।
एटीएफ पर वैट शून्य
विमान ईंधन एटीएफ पर वैटक दर 1 प्रतिशत सं घटा कए शून्य करबाक निर्णय लेल गेल। एहि सं बिहार मे विमान ईंधन पर वैट पूर्णतः समाप्त भए जाएत। शहीद जुब्बा सहनी वास्तुकला एवं असैनिक अभियंत्रण विश्वविद्यालयक प्रशासनिक काज लेल पदाधिकारी आ कर्मचारीक 34 पद सृजित करबाक स्वीकृति देल गेल। सरकारी विभागक निष्पादनयोग्य वस्तुक नीलामी लेल जीईएम पोर्टलक फॉरवर्ड ऑक्शन मॉड्यूलक उपयोग कें सेहो मंजूरी भेटल।
आंगनबाड़ी कर्मी कें 477 करोड़
आंगनबाड़ी सेविका-सहायिका आ अन्य कर्मीक मानदेय भुगतान लेल सरकार 477 करोड़ रुपैयाक अग्रिम स्वीकृति देलक। एहि राशि सं अगस्त धरि सेविका-सहायिका कें मानदेय देल जाएत। आइसीडीएस निदेशालय, जिला कार्यक्रम कार्यालय आ बाल विकास परियोजना कार्यालय मे कार्यरत कर्मी सभ कें नवंबर 2026 धरि मानदेय देबाक लेल सेहो राशि जारी कएल जाएत। ई टाका बिहार आकस्मिकता निधि सं उपलब्ध कराओल जाएत।