6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

ज्योति प्रकाश मिश्रा बनलाह समस्तीपुर मंडलक नव मंडल रेल प्रबंधक

समस्तीपुर।

भारतीय रेलवे यातायात सेवा केर वरिष्ठ अधिकारी ज्योति प्रकाश मिश्रा  समस्तीपुर मंडलक नव मंडल रेल प्रबंधक  केर रूप मे कार्यभार ग्रहण कएलनि। कार्यभार ग्रहण करबाक अवसर पर मंडल कार्यालय, समस्तीपुर मे मंडलक समस्त अधिकारीगण आ कर्मीगण हुनकर भव्य स्वागत केलनि। कार्यभार ग्रहण उपरांत श्री मिश्रा मंडलक विभिन्न अधिकारी सं परिचय प्राप्त केलनि तथा समस्तीपुर मंडलक कार्यप्रणाली पर एक संक्षिप्त प्रस्तुतीकरण सेहो देखलनि।

विदित हो जे श्री मिश्रा दिल्ली विश्वविद्यालयक प्रतिष्ठित हिंदू कॉलेज सं उच्च शिक्षा प्राप्त केने छथि आ अपन बैच मे गोल्ड मेडलिस्ट रहलाह। ओ 1998 बैचक भारतीय रेल यातायात सेवा केर अधिकारी छथि तथा 25 वर्षक लंबा प्रशासनिक अनुभव रखैत छथि। संचालन, वाणिज्य आ सामान्य प्रशासन जकां महत्वपूर्ण विभाग मे ओ अपन सेवा दए चुकल छथि। हुनका पूर्व मे महाप्रबंधक पुरस्कार (2008), रेल मंत्री पुरस्कार (2009 एवं 2019) सहित अनेको सम्मान प्राप्त भए चुकल अछि। पूर्व मंडल रेल प्रबंधक श्री विनय श्रीवास्तव कें पदोन्नति आ स्थानांतरणक उपरांत चित्तरंजन लोकोमोटिव वर्क्स  मे प्रधान मुख्य यांत्रिक अभियंता  केर पद सौंपल गेल अछि।

नव नियुक्त डीआरम मिथिलांचलक जनताक प्रति सेवा भावक संकल्प प्रकट करैत अपन प्राथमिकताक रूप मे किछु बात प्रस्तुत कएलनि:

यात्री सुविधा मे निरंतर सुधार:

स्टेशन परिसर कें आधुनिक सुविधासं युक्त बनेबाक दिशा मे कार्य होयत। प्रतीक्षालय, शुद्ध पेयजल, स्वच्छता, डिजिटल डिस्प्ले, लिफ्ट आ एस्केलेटरक व्यवस्था विस्तार पर विशेष बल देल जायत। दिव्यांग आ वृद्ध यात्रीकें लेल विशेष सुविधा उपलब्ध कराओल जायत।

यात्री सुरक्षा सर्वोपरि:

ट्रेन परिचालनक पूर्ण संरक्षा सुनिश्चित करबाक लेल नियमित निरीक्षणक संख्या बढ़ाओल जायत। ट्रैक अनुरक्षण आ संरक्षा मानकक पालन कठोरता सं होयत। स्टेशन परिसर आ ट्रेनों मे सीसीटीवी निगरानी प्रणाली केँ आओर सुदृढ़ बनाओल जायत।

समयपालन मे सुधार:

ट्रेनक समयपालन सुनिश्चित करबाक लेल परिचालन तंत्र कें अधिक दक्ष बनेबाक योजना अछि। सिग्नलिंग प्रणालीक आधुनिकीकरण आ लूप लाइन सुधार पर बल देल जायत।

जनसुनवाई एवं जवाबदेही:

यात्रीकें शिकायतक त्वरित समाधान लेल मंडल स्तर पर जनसुनवाई तंत्र कें सशक्त बनेबाक दिशा मे कार्य होयत।स्थानीय जनता केर जरूरत केँ ध्यान मे रखैत रेल सेवाक सुधार कएल जायत। नव हाल्ट, ठहराव आ कनेक्टिविटी पर समय-समय पर समीक्षा कएल जायत। ‘स्वच्छ भारत मिशन’ केर तहत स्टेशन आ ट्रेनों मे सघन स्वच्छता अभियान चलाओल जायत। सौर ऊर्जा, वर्षा जल संचयन आ अपशिष्ट प्रबंधन जैसन उपाय अपनाओल जायत। रेलवे कर्मचारिकें कार्यस्थल पर सुविधा, प्रशिक्षण आ मनोबल वृद्धिक कार्यक्रम नियमित रूप सं आयोजित कएल जायत। सेवानिवृत्त कर्मचारिकें समस्याक प्राथमिकता पर समाधान सुनिश्चित कएल जायत। नव डीआरएम श्री मिश्रा अपन सेवा कार्य मे पारदर्शिता, दक्षता आ समर्पण सं समस्तीपुर मंडलक विकासक संगहि यात्रीकें हित मे निरंतर कार्य करबाक संकल्प व्यक्त कएलनि। रेल मंडलक भविष्य दिशा तय करबाक एहि नव अध्यायक आरंभ पर समस्त मंडलक अधिकारीगण, कर्मीगण आ स्थानीय जनताक मध्य आशा आ उत्साहक नव संचार देखल जा रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here