आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
पुलिस तनलक राइफल तं डर सं नदी मे कूदल युवक ग्रामीण सभ मे अछि आक्रोश बेगूसराय, समदिया बेगूसराय सं एकटा सनसनीखेज मामिला सोझां आयल अछि। पुलिसक डर सं एकटा युवक नदी मे कूदि पड़ल। तेज धार मे डूबि गेला सं ओकर मृत्यु भए गेल। घटना डंडारी थाना…
खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
संजय सरावगी कहलनि, राजनीति मे मर्यादा जरूरी पटना, समदिया प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक संबंध मे कांग्रेसक राष्ट्रीय अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गेक अमर्यादित टिप्पणीक विरोध मे सोमदिन भाजपा पटना मे जोरदार प्रदर्शन कयलक। प्रदेश भाजपा अध्यक्ष संजय…
बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
घर सं जबरदस्ती उठा कए 50 मीटर दूर सुनसान स्थान मे कएल गेल कुकर्म बेगूसराय, समदिया बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्मक मामिला सोझां आयल अछि। घटना रतनपुर थाना क्षेत्रक अछि। आरोप अछि जे मानसिक रूप सं अस्वस्थ किशोरी…
नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा
नीलम देवी सं राज्यमंत्रीक दर्जा सेहो लेल गेल वापस पटना, समदिया मोकामा विधायक अनंत सिंहक विरुद्ध जदयू लगातार कठोर कारबाइ कए रहल अछि। पार्टी सं निष्कासित कयल गेलाक बाद आब हुनकर विधानसभा सदस्यता समाप्त करबाक मांग उठाओल गेल अछि। एहि बीच…
पूर्व मंत्रीक पत्नी पर घर मे घुसि चक्कू सं हमला, जान सं मारबाक धमकीक आरोप
शिवाजीनगर मे आधा रातिक घटना सं दहशत थाना मे आवेदन दए प्राथमिकी आ सुरक्षा उपलब्ध करयबाक मांग शिवाजीनगर/समस्तीपुर, समदिया शिवाजीनगर थाना क्षेत्रक परसा गांव मे रविदिन राति घर मे घुसि पूर्व मंत्री स्वर्गीय गजेंद्र प्रसाद सिंहक पत्नी उर्मिला…
पूर्व मुखियाक पतिक गोली मारि हत्या, घटनाक बाद जांच मे जुटल पुलिस
सरबेला पुल लग बाइक सवार दू अपराधी केलक घटना, सहरसा मे इलाजक दौरान मृत्यु सहरसा, समदिया जिलाक सलखुआ प्रखंडक हरेवा पंचायतक पूर्व मुखिया उम् मे कुलशुमक पति मो. गुड्डू (50)क गोली मारि हत्या कए देल गेलनि। बनमा ईटहरी प्रखंडक सरबेला सं घर घुरबाक…
कोजागराक अवसर पर कवि गोष्ठी आयोजित, कविक रचना सं श्रोता मंत्रमुग्ध
मधुबनी, समदिया मिथिलाक प्रसिद्ध पर्व कोजागराक अवसर पर जयनगरक दुल्लीपट्टी मे न्यायाधीश नीलेश भारद्वाज आ भारत सरकारक भविष्य निधि विभाग मे पदस्थापित निखिल भारद्वाजक सम्मान मे कवि गोष्ठीक आयोजन कयल गेल। कार्यक्रम मे मैथिली आ हिंदी साहित्य सं…
साहित्यिकीक 385म मासिक गोष्ठी संपन्न, दू पोथीक भेल लोकार्पण
झंझारपुर, समदिया साहित्यिकी संस्थाक 385म मासिक गोष्ठी पाही गाम मे अमल कुमार झाक आवास पर हर्षोल्लासक संग संपन्न भेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता मैथिलीक वरिष्ठ रचनाकार डॉ. जगदीश मिश्र कयलनि। मुख्य अतिथिक रूप मे मैथिली साहित्यक विद्वान समीक्षक डॉ. रमानंद…
खोपा-कोनाइर मे एनएच-27 पर ठाढ़ ट्रक सं टकरायल ट्रक, बाल-बाल बचलाह चालक
एनएच-27 पर दुर्घटनाग्रस्त ट्रक नहि हटेला सं स्थानीय लोक मे आक्रोश झंझारपुर, समदिया फुलपरास थाना क्षेत्रक खोपा-कोनाइर गामक लग एनएच-27 पर सोमदिन भोर मे घना कुहासाक कारण पैघ सड़क दुर्घटना भए गेल। दरभंगाक दिस जा रहल केरा लदल एकटा ट्रक पहिने सं…
