Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार

Avatar
By Samadiya Mithila
October 26, 2026 2 Min Read
0

 

  • घर सं जबरदस्ती उठा कए 50 मीटर दूर सुनसान स्थान मे कएल गेल कुकर्म

 

बेगूसराय, समदिया

बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्मक मामिला सोझां आयल अछि। घटना रतनपुर थाना क्षेत्रक अछि। आरोप अछि जे मानसिक रूप सं अस्वस्थ किशोरी कें घर सं जबरदस्ती उठा कए करीब 50 मीटर दूर एकटा सुनसान मकान मे लए जा कए दू गोटे दुष्कर्म कयलक। जानकारीक अनुसार, पीड़िताक पिता दिल्ली मे चायक दोकान चलबैत छथि। किशोरी अपन माय संग रहैत अछि। रविदिन राति करीब आठ बजे माय काज सं बाहर गेल छलीह। एहि दौरान किशोरी घर मे एकसर छल। आरोप अछि जे मोहल्लाक रहनिहार प्रकाश साह आ राकेश साह ओकरा जबरदस्ती उठा लए गेल।

राति करीब दस बजे किशोरी कनैत-बिलखैत बदहवास अवस्था मे घर घुरल, तखन घटनाक जानकारी भेटल। स्थानीय लोकक अनुसार, दुनू आरोपितक उम्र करीब 40 वर्ष अछि आ दुनू विवाहित छथि। चट्टी रोड लग दुनूक छोट-मोट कारोबार आ मसाला मिलक काज अछि।

पॉक्सो अधिनियम अंतर्गत मामिला दर्ज

घटनाक सूचना भेटिते पुलिस कारबाइ करैत दुनू नामजद आरोपित कें गिरफ्तार कए लेलक। पीड़िताक चिकित्सकीय जांच कराओल गेल अछि आ आरोपित सभ सं पूछताछ कयल जा रहल अछि। घटनाक बाद रतनपुर थाना लग स्थानीय लोकक भीड़ जुटि गेल। आक्रोशित लोक सभ आरोपित कें कड़ाइ सं सजा देबाक मांग कयलनि। सदर-वन डीएसपी प्रशांत कुमार कहलनि जे सूचना भेटिते पुलिस त्वरित कारबाइ कयलक आ घटना मे संलिप्त दुनू व्यक्ति कें पकड़ि लेल गेल। दुनू आरोपितक विरुद्ध पॉक्सो अधिनियम अंतर्गत मामिला दर्ज कए कारबाइ कयल जा रहल अछि। पुलिसक कहब अछि जे पीड़िताक चिकित्सकीय जांचक बादे दुष्कर्मक पुष्टि भए सकत। एहि मामिला मे पॉक्सो अधिनियमक निर्धारित मानक संचालन प्रक्रियाक पालन कयल जा रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

Next

खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
  • खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
  • बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
  • नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
  • खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
  • बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
  • नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech