टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
कांग्रेसक प्रवक्ता असित नाथ तिवारी कहलनि, एकहु बेर कांग्रेस सं नहि लेल कोनो राय राजद पहिनहि छह उम्मीदवारक कए चुकल अछि घोषणा पटना, समदिया बिहार मे विधान परिषदक आठ सीट पर होमयबला चुनाव सं पहिने कांग्रेस आ राष्ट्रीय जनता दल (राजद)क बीच…
जिला पार्षदक पतिक हत्यापर बवाल, आरोपीक घर फूकल गेल, पथराव मे इंस्पेक्टर घायल
ताबड़तोड़ मारल गेल आठ गोली, घटनास्थले पर भए गेल मृत्यु स्थिति कें नियंत्रित करबा लेल बजाओल गेल 12 थानाक पुलिस सीतामढ़ी, समदिया सीतामढ़ी मे शनिदिन भोर मॉर्निंग वॉक लेल निकलल जिला परिषद प्रतिनिधि बैद्यनाथ महतोक अपराधी सभ गोली मारि हत्या कए देलक। करीब…
बिहार मे कानून-व्यवस्था खत्म, अपराधी कें सरकारक संरक्षण भेटि रहल अछि : तेजस्वी यादव
पटना। बिहार विधानसभा मे विपक्षक नेता तेजस्वी यादव राज्य मे बढ़ैत अपराध आ स्वास्थ्य व्यवस्थाक स्थिति कें लए मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी आ भाजपा पर जुबानी हमला कएलनि। ओ सीतामढ़ी मे जिला परिषद प्रतिनिधिक हत्या आ जहानाबादक एक अस्पताल मे पैर टूटल…
पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
मुंबई मे 1.75 करोड़क जमीन खरीदलाक मामिला, शिकायतकर्ता बनल आरोपितक शिकायत पर छापामारी फोटो : पटना पटना, समदिया भ्रष्टाचार सं जुड़ल मामिला मे विशेष सतर्कता इकाई (एसभीयू) शुक्रदिन लघु जल संसाधन विभागक अधीक्षण अभियंता राजेंद्र कुमारक पांच ठाम एकहि संग…
भागलपुर मे दू ठाम तटबंध टूटल, कोसीक बढ़ैत जलस्तर सं बढ़ल चिंता
पटना । बिहारक भागलपुर जिलामे बाढ़िक स्थिति लगातार चिंताजनक होइत जा रहल अछि। कोसी नदीक तेज दबाव आ भारी बरखाक बीच दू अलग-अलग जगह पर तटबंध टूटि गेल अछि। नौगछियाक रंगरा चौक प्रखंडक बनिया गाममे पुरान रेलवे लाइनक तटबंधक करीब 15 मीटर हिस्सा कोसीक बाढ़िक…
आईआरसीटीसी होटल केस मे लालू-राबड़ी-तेजस्वी कें पैघ झटका, कोर्ट तय कएलक आरोप
नव दिल्ली। आईआरसीटीसी होटल मनी लॉन्ड्रिंग मामिला मे दिल्लीक राउज एवेन्यू कोर्ट पैघ फैसला सुनबैत पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव, पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी, तेजस्वी यादव आ लारा प्रोजेक्ट्स समेत नौ आरोपीक विरुद्ध आरोप तय कएलक अछि। कोर्टक एहि…
बिहार मे निर्माणाधीन पुलक लॉन्चर खसल, सात मजदूर घायल, तेजस्वी सरकार पर साधलनि निशाना
हाजीपुर । बिहारक वैशाली जिला मे बृहस्पतिके भारतमाला परियोजनाक अंतर्गत फोरलेन निर्माणक दौरान पैघ दुर्घटना भए गेल। लालगंज थाना क्षेत्रक जलालपुर पंचायतक इतवारपुर गांवक लग निर्माणाधीन एनएच-139डब्ल्यू पर एक पुलक काजक दौरान लॉन्चर मशीन अनचोके खसि पड़ल।…
नौबतपुर मे आपूर्ति पदाधिकारी 8 हजार टाका घूस लैत गिरफ्तार, जन वितरण प्रणालीक दुकानदार सँ मांगने छलाह रिश्वत
पटना। भ्रष्टाचारक खिलाफ निगरानी विभाग कार्रवाई करैत बुधदिन पटना जिलाक नौबतपुर प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारी विनोद कुमार केँ 8 हजार टाका घूस लैत रंगे हाथ गिरफ्तार कएलक। बिहार मे भ्रष्टाचारक खिलाफ निगरानी विभाग लगातार कार्रवाई करैत अछि। एहि क्रम मे…
अररिया-गलगलिया नव रेल लाइनक कपलिंग टूटल, माटि बहल
साल भरि पहिने 4410 करोड़क लागति सं बनल रेललाइनक हलका बरखा मे खुजल पोल अररिया, समदिया अररिया जिला मे करीब एक वर्ष पहिने शुरू भेल 4,410 करोड़ रुपैयाक लागति सं बनल अररिया-गलगलिया नव रेललाइनक निर्माणक गुणवत्ता पर पहिले बरख गंभीर प्रश्न…
नीतीश हमरा सीएम नहि बनौलनि, पार्टीक निर्णय सं हम मुख्यमंत्री छी : सम्राट
एकटा पॉडकास्ट मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी नीतीश सं अपन संबंध पर खुलि कए बात केलनि पटना, समदिया जनता दल यूनाइटेड (जेडीयू)क राष्ट्रीय अध्यक्ष नीतीश कुमार मुख्यमंत्री पद सं त्यागपत्र देलाक बाद सम्राट चौधरी बिहार मे भारतीय जनता पार्टी…