आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
पूर्व मंडल अध्यक्षक भागिन पर लागल हत्याक आरोप भागलपुर, समदिया भागलपुर मे अपराधी सभ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)क मंडल अध्यक्ष उमा भूषण तांती (53)क गोली मारि हत्या कए देलक। अपराधी हुनकर कनपटी लग गोली मारलक, जाहि सं घटनास्थले पर हुनकर…
पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
मुंबई मे 1.75 करोड़क जमीन खरीदलाक मामिला, शिकायतकर्ता बनल आरोपितक शिकायत पर छापामारी फोटो : पटना पटना, समदिया भ्रष्टाचार सं जुड़ल मामिला मे विशेष सतर्कता इकाई (एसभीयू) शुक्रदिन लघु जल संसाधन विभागक अधीक्षण अभियंता राजेंद्र कुमारक पांच ठाम एकहि संग…
पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
जल संसाधन विभागक सचिव सं भेंट कए सांसद संशोधित डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति लेल केलनि आग्रह दरभंगा, समदिया उत्तर बिहार कें बाढ़ि सं बचेबाक लेल 1950क दशक मे दरभंगा जिलाक पूर्वी छोर पर बनाओल गेल पश्चिमी कोसी तटबंधक नवीनीकरण, सुरक्षा आ…
मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या
कुशोत्पाटिनी पर उखाड़ल गेल कुश झंझारपुर, समदिया मिथिलाक समृद्ध धार्मिक परंपराक अनुसार शुक्रदिन कुशी अमावस्याक पर्व श्रद्धा आ उत्साहक संग मनाओल गेल। एकरा कुशोत्पाटिनी अमावस्या आ कुशग्रहणी अमावस्याक नाम सं सेहो जानल जाइत अछि। शुक्रदिन भोरहि…
झंझारपुर आ फुलपरास अनुमंडल मे अवैध नर्सिंग होम पर सिविल सर्जनक पैघ कारबाइ
दू क्लिनिक पर 10-10 हजार रुपैयाक अर्थदंड 24 घंटाक भीतर बंद करबाक आदेश झंझारपुरक मां दुर्गा अस्पताल कें सील करबाक निर्देश सीएस पीएचसी प्रभारी कें पठौलनि पत्र झंझारपुर, समदिया बिना निबंधन आ निर्धारित मानकक अनुपालनक बिना संचालित निजी क्लिनिक आ…
बकुआ भरगामा मे दर्जनो परिवार बेघर, सैकड़ो एकड़ फसिल सहित खेत नदी मे बिलीन
राहितक नाम पर मात्र पॉलिथीन कोसी कटाव पीड़ितक संग सरकारी खानापूर्ति मधुबनी, समदिया जिलाक मधेपुर अंचल अंतर्गत बकुआ आ भरगामा पंचायत मे कोसी नदीक भीषण कटाव सं भारी तबाही भेल अछि। कोसीक कटाव सं दर्जनों परिवार बेघर भए गेल छथि आ सैकड़ो एकड़ धानक…
विनोबा भावेक 131म जयंती पर विनोबा आश्रम मे श्रद्धांजलि कार्यक्रम आयोजित
सहरसा, समदिया आचार्य विनोबा भावेक 131म जयंतीक अवसर पर शुक्रदिन पूरब बाजार स्थित विनोबा आश्रम मे श्रद्धांजलि कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता अध्यक्ष विकास कुमार सिंह केलनि। एहि अवसर पर उपस्थित लोक सभ आचार्य विनोबा भावेक चित्र पर…
– सोनवर्षा आ महिषी प्रखंडक खेल क्लब पदाधिकारी सभ कें देल गेल जानकारी
सहरसा, समदिया पंचायत स्तर पर खेल गतिविधि कें बढ़ावा देबाक आ ग्रामीण क्षेत्रक बच्चा आ युवा सभ कें खेल सं जोड़बाक उद्देश्य सं ग्राम पंचायत खेल क्लब सभ कें सक्रिय करबाक पहल तेज कएल गेल अछि। एहि क्रम मे शुक्रदिन सोनवर्षा आ महिषी प्रखंडक ग्राम पंचायत…
तीन घंटा मे हत्या कांडक उद्भेदन, दू मुख्य अभियुक्त गिरफ्तार
माइरपीट मे भेल छल युवकक मृत्यु, नवहट्टा पुलिसक त्वरित कारबाइ सहरसा, समदिया जिलाक नवहट्टा थाना पुलिस हत्या कए एक मामिलाक महज तीन घंटाक भीतर उद्भेदन करैत दू मुख्य अभियुक्त कें गिरफ्तार कए लेने अछि। सदर एसडीपीओ पंकज कुमार सिंह प्रेस वार्ताक…