कोसी पर बनत हाई डैम, केंद्रीय वित्त मंत्री डीपीआर तैयार करबाक देलनि निर्देश
मुख्यमंत्री शुक्रदिन नई दिल्ली मे वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण आ विदेश मंत्री एस. जयशंकर सं भेंट केलनि पटना, समदिया कोसी नदी पर हाई डैम (उच्च स्तरीय बांध) परियोजनाक काज मे तेजी आबि गेल अछि। एहि परियोजनाक डीपीआर शीघ्र तैयार कएल जाएत आ परियोजनाक काज आगू…
सूरज कें एतेक नजदीक सं पहिल बेर देखल गेल, वैज्ञानिक सभक समक्ष आयल अत्यंत स्पष्ट तस्वीर
ई उपलब्धि इनोए सोलर टेलीस्कोपक सहायता सं संभव भेल अछि वाशिंगटन, एजेंसी दुनियांक सभ सं शक्तिशाली सौर दूरबीनक उपयोग करैत वैज्ञानिक सभ पहिल बेर सूर्यक सतहक एखन धरिक सभ सं उच्च-रिजॉल्यूशन (हाई रिजॉल्यूशन) तस्वीर आ वीडियो कैद करबा मे सफल भेल छथि। एहि नवीन…
सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी
शिकायतक समाधान जिला स्तर पर होयत पटना, समदिया वर्तमान सरकारक प्रति सवर्ण मे पनपि रहल रोष आ बांकीपुर चुनाव मे सवर्ण समाज द्वारा भाजपा कें भेटल शिकस्तक बाद राज्य सरकार सवर्ण समाज कें प्रसन्न करबाक तैयारी मे अछि। राज्य सरकार सवर्ण समाजक समस्याक समाधान लेल…
मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
अररियाक सिकटी, पलासी आ जोकीहाटक विभिन्न क्षेत्र मे पसरल पानि मुजफ्फरपुर/अररिया, समदिया मानसूनक सक्रियता आ लगातार बरखाक कारण मुजफ्फरपुर आ अररिया जिला मे बाढ़िक खतरा बढ़ि गेल अछि। मुजफ्फरपुर मे बागमती नदीक जलस्तर लगातार बढ़ि रहल अछि, जखन कि अररिया मे सेहो…
यमनक तट लग हमला मे भारतीय जहाज डूबल, यमन सरकार हूती विद्रोही सभ कें ठहरौलक जिम्मेदार
जहाज पर सवार 14 नाविक कें बचाओल गेल, 14 मे 13 भारतीय छथि नई दिल्ली, एजेंसी यमनक तट लग एकटा भारतीय ध्वजधारी मालवाहक जहाज पर प्रोजेक्टाइल सं हमला भेलाक बाद ओ पलटि गेल आ अंततः समुद्र मे डूबि गेल। यमनक अधिकारी सभक अनुसार, एहि घटना मे जहाज गंभीर रूप सं…
अजगैबीनाथ : जतय शिव-संकल्प आकार ग्रहण करैत अछि
श्रावणी पथ : कड़ी–6 कुमार नितेश कांवर यात्राक उद्गम सुल्तानगंजे किएक मानल जाइत अछि? ई प्रश्न देखबा मे जतेक सरल प्रतीत होइत अछि, उत्तर ओतेक सहज नहि अछि। कारण, उत्तरवाहिनी गंगा मात्र सुल्तानगंजे मे नहि बहैत छथि। हुनकर ई स्वरूप कहलगांव सं लए कए बटेश्वर धरि…