Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

राजनीतिविशेष रिपोर्ट

जाबत धरि भारत विकसित नहि होयत, ने हम रुकब, ने थाकब : पीएम मोदी

Avatar
By Samadiya Mithila
October 7, 2026 2 Min Read
0

नई दिल्ली, एजेंसी

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बुधदिन अपन सार्वजनिक जीवनक 25 वर्ष पूरा होबाक अवसर पर आयोजित कार्यक्रम मे वी विल डू इट… हम कए कए देखाएब नाराक 19 बेर उल्लेख केलनि। करीब एक घंटाक अपन संबोधन मे ओ कहलनि जे  जाबत धरि भारत विकसित नहि भए जाइत अछि, ताबत धरि हम ने थाकब आ ने रुकब। प्रधानमंत्री कहलनि जे ओ महत्वाकांक्षाक लेल नहि, बल्कि मिशन लेल जीवन समर्पित केने छथि। हुनकर कहब छल जे जे सभ हमरा खसौलनि, वएह सभ हमरा ठाढ़ होएबाक सिखेलनि। जे सभ हमर विरोध केलनि, ओ सभ हमरा लोकतंत्रक शक्तिक अनुभव करौलनि।

पछिला 25 वर्ष दिस पाछां मुड़ि कए देखला पर उपलब्धि सं बेसी कृतज्ञताक भाव होइत अछि, ई बात ओ कहलनि। हुनकर अनुसार, प्रत्येक घटना किछु ने किछु सिखौलक आ विनम्र रहबाक सीख देलक। ओ कहलनि जे ओ ईश्वर सं मात्र एतबे प्रार्थना करैत छथि जे सीखबाक इच्छा कहियो कम नहि हो।

25 वर्ष मे देश कतए पहुंचल, ई देखब जरूरी

मोदी कहलनि जे हम एहि राष्ट्र मे जन्म लेलहुं, ई अनुभूति मात्रे अमृत अछि। एकर सोझां सत्ताक सुख किछु नहि। पद आ प्रतिष्ठा कतहु भेटि सकैत अछि, मुदा भारत जकां पुण्यभूमि नहि भेटत। पछिला 25 वर्षक आकलन एहि आधार पर नहि होयत जे हम कतय पहुंचलहुं, बल्कि एहि आधार पर होयत जे हमर देश कतय पहुंचल। ओ कहलनि जे प्रत्येक क्षेत्र मे भारत कें अग्रणी बनबाक चाही। तकनीक, खेल आ उद्योग मे भारतक तिरंगा लहराए। आइ पूरा विश्व मे भारतीय पायलटक चर्चा भए रहल अछि आ एक दिन एहन सेहो आएत जखन विश्व मेड इन इंडिया विमानक चर्चा करत। हुनकर अनुसार, ई लक्ष्य तखने पूरा होयत जखन दूरदर्शी नीति बनाओल जाए आ परिश्रमक पराकाष्ठा कएल जाए।

मोदी कहलनि जे आब ई आराम करबाक समय नहि अछि। ई सोचक संग आगू बढ़बाक समय अछि। देशक लेल स्वयं कें समर्पित करबाक समय अछि। आइ भारत मे जतेक युवा छथि, ई इतिहास दिस सं भेटल पैघ अवसर अछि, जकरा हमरा सभ कें गमेबाक नहि चाही।

कतेको संकट आएल, मुदा साहस नहि टूटल

प्रधानमंत्री कहलनि जे हमर हृदयक प्रत्येक धड़कन मे ई संकल्प गूंजबाक चाही जे प्राचीन भारतक गौरव कें फेर सं जीवित करबाक अछि। हुनकर अनुसार, एक समय भारत विश्व अर्थव्यवस्थाक नेतृत्व करैत छल। मुदा समय बदलल, गुलामीक काल आयल आ भारत कें लूटि कए तहस-नहस कए देल गेल। जे भारत विश्व कें दिशा देखबैत छल, ओकर पुस्तकालय सभ जराओल गेल। अकाल सहित कतेको संकट आएल, मुदा भारतक संततिक साहस कहियो नहि टूटल।

मोदी कहलनि जे आइ मेड इन इंडिया फोनक प्रभाव देखाइत अछि। एक समय भारत मे बिजलीक कटौती समाचारक मुख्य विषय होइत छल, मुदा आब सौर ऊर्जाक चर्चा भए रहल अछि। खेतीक क्षेत्र मे सेहो प्रगति भेल अछि। हुनकर अनुसार, स्वतंत्रताक बाद खेतीक वृद्धि दर जं कोनो दशक मे बेसी रहल अछि तं 2015-25क दशक मे ई सर्वाधिक रहल।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

नरेंद्र मोदीपीएम मोदीप्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीभारत विकासमेड इन इंडियामोदी 25 वर्षमोदी भाषणविकसित भारतविकसित भारत 2047वी विल डू इटसार्वजनिक जीवन
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सीईसी ज्ञानेश कुमारक इस्तीफाक मांग पर दोसर दिन धरना, राहुल-प्रियंका हिरासत मे

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech