Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

राजनीतिविशेष रिपोर्ट

सीईसी ज्ञानेश कुमारक इस्तीफाक मांग पर दोसर दिन धरना, राहुल-प्रियंका हिरासत मे

Avatar
By Samadiya Mithila
October 7, 2026 2 Min Read
0

नई दिल्ली, एजेंसी

मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमारक इस्तीफाक मांग कें लए राहुल गांधी आ प्रियंका गांधी बुधदिन लगातार दोसर दिन प्रदर्शन केलनि। एहि बेर दुनू जंतर-मंतर सं करीब 200 मीटर पहिने सड़क पर बैसि गेलाह। सुरक्षाबल हुनका सभ कें आगू बढ़ए नहि देलक तं प्रियंका गांधी संविधानक प्रति हाथ मे लए सड़क पर पसरि गेली। एहि बीच कांग्रेस कार्यकर्ता सभक सुरक्षाबलक संग धक्का-मुक्की सेहो भेल। एहि सं पहिने राहुल आ प्रियंका विपक्षी सांसद सभक संग सागर रत्ना रेस्टोरेंट मे भोजन केलाक बाद जंतर-मंतर दिस निकलल छलाह। ई भोजन कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे दिस सं देल गेल छल। मुदा भोजन मे समाजवादी पार्टीक नेता सभ नहि पहुंचलाह।

एक दिन पहिने इंडिया ब्लॉकक 200 सं बेसी सांसद संसद भवन सं चुनाव आयोगक कार्यालय धरि मार्च निकालने छलाह, मुदा हुनका सभ कें पहिनहि रोकि देल गेल छल। तकर बाद राहुल आ प्रियंका आकाशवाणी परिसर मे करीब 8 घंटा धरना देलनि। एहि दौरान दुनू कें दू बेर हिरासत मे लेल गेल छल। आकाशवाणी परिसर मे कथित रूप सं जबरदस्ती प्रवेश करबाक आरोप मे दुनू नेता पर प्राथमिकी सेहो दर्ज कएल गेल अछि।

हिरासत मे लेल जयबाक क्रम मे आरजेडी सांसद मनोज कुमार झा कहलनि जे पुलिस निर्दयता सं लाठीचार्ज केलक। हुनकर आरोप छल जे एहि लेल ज्ञानेश कुमार, अमित शाह आ नरेंद्र मोदी सभ जिम्मेदार छथि। ओ कहलनि जे हम सभ वर्षों सं एहन दृश्य नहि देखने छी। ई बर्बरताक हद अछि। अहां सभ बेनकाब भए चुकल छी। अहां सभ कायर छी।

जंतर-मंतर पर धारा 163 लागू

दिल्लीक डीसीपी सचिन शर्मा कहलनि जे जंतर-मंतर पर भारतीय नागरिक सुरक्षा संहिता (बीएनएसएस)क धारा 163 लागू अछि। ओ सुरक्षाकर्मी सभ कें सांसद सभक संग सम्मानजनक व्यवहार करबाक निर्देश देलनि। डीसीपी कहलनि जे सांसद आ हुनकर समर्थक तीनटा बस मे आबि रहल छथि आ हुनका सभक गंतव्य जंतर-मंतर बताओल गेल अछि। ओ कहलनि जे जंतर-मंतर पर बीएनएसएसक धारा 163 लागू रहबाक कारण बिना अनुमति प्रदर्शन अथवा मार्च करबाक अनुमति नहि अछि। ओ कहलनि जे ई सभ सांसद छथि, तें हमरा सभ कें एहि बातक ध्यान राखय पड़त। हुनका सभक संग हमर व्यवहार सम्मानजनक रहत आ उचित प्रोटोकॉलक पालन कएल जाएत। हम हुनका सभ सं स्वयं ई स्थान खाली करबाक अनुरोध करब।

प्रियंका कहलनि, की ईएह तरीका अछि?

कांग्रेस सांसद प्रियंका गांधी पुलिसक कारबाइ पर प्रश्न उठबैत कहलनि जे की इएह तरीका अछि? अहां सभ देखि सकैत छी जे ई सभ की कए रहल छथि। इंडिया ब्लॉकक सांसद सभक कहब अछि जे पुलिस हुनका सभक बस रोकि देने अछि आ हुनका सभ कें जंतर-मंतर दिस जयबाक अनुमति नहि देल जा रहल अछि।

सीईसी ज्ञानेश कुमारक इस्तीफाक मांग कें लए विपक्षक प्रदर्शनक ई लगातार दोसर दिन छल। एहि दौरान राहुल आ प्रियंका कें हिरासत मे लेल गेलाक बाद राजनीतिक टकराव आओर तीव्र भए गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

INDIA ब्लॉककांग्रेसचुनाव आयोगचुनाव आयोग विरोधजंतर-मंतरज्ञानेश कुमारदिल्ली पुलिसप्रियंका गांधीराजनीतिक खबरराहुल गांधीविपक्षी प्रदर्शनसीईसी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

झंझारपुरक लाल आदित्य राज बिहार अंडर-23 टीमक बनल कप्तान

Next

जाबत धरि भारत विकसित नहि होयत, ने हम रुकब, ने थाकब : पीएम मोदी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech