झंझारपुरक लाल आदित्य राज बिहार अंडर-23 टीमक बनल कप्तान
- कर्नल सी.के. नायडू ट्रॉफी लेल बीसीए जारी केलक टीमक सूची
404
झंझारपुर, समदिया
बिहार क्रिकेट एसोसिएशन (बीसीए) द्वारा कर्नल सी.के. नायडू ट्रॉफी 2026-27 लेल बिहार अंडर-23 टीमक घोषणा कएल गेल अछि। एहि टीमक कप्तानक जिम्मेदारी मधुबनी जिलाक झंझारपुर नगर परिषद निवासी अरुण कुमार आ इंदु कुमारीक पुत्र आदित्य राज कें देल गेल अछि। आदित्य राजक चयन सं झंझारपुर सहित पूरा मधुबनी जिला आ उत्तर बिहार मे खुशीक लहर अछि। बीसीसीआईक तीन सदस्यीय टीम द्वारा खेलाड़ी सभक चयन कएल गेल, जकर बाद बीसीए चयनित खेलाड़ी सभक सूची जारी केलक। मुख्य टीम मे कुल 17 खेलाड़ी कें स्थान देल गेल अछि। एहि मे शिवम रॉय, देवांश असवाल, पवन कुमार रॉय, कुमार श्रेय, आयुष आनंद, प्रकाश ज्ञान, यश प्रताप, मो. तौफीक (विकेटकीपर एवं उपकप्तान), यशस्वी राकेश शुक्ला (विकेटकीपर), आदित्य राज (कप्तान), सुमन कुमार, उत्कर्ष कुमार, सुधांशु कुमार, वासुदेव पी. सिंह, राहुल कुमार, बादल कनौजिया आ प्रशांत कुमार शामिल छथि। एहि प्रतिष्ठित प्रतियोगिताक लेल बिहार टीमक कमान झंझारपुरक आदित्य राज कें सौंपल जाएब क्षेत्रक लेल विशेष उपलब्धि मानल जा रहल अछि। आदित्यक कप्तान बनेलाक समाचार सं स्थानीय खेलप्रेमी सभ मे उत्साह आ उमंगक माहौल अछि। टीम मे मुख्य खेलाड़ी सभक अतिरिक्त 10 खेलाड़ी कें स्टैंडबाय मे सेहो राखल गेल अछि। एहि मे आदित्य शिवम, समरजीत कुमार, भगवान, हर्षित आनंद (विकेटकीपर), आदित्य कुमार, सौरव सिंह, अनुज राज सिंह, रिंकू तिवारी, प्रियांशु आ हनी सिंहक नाम शामिल अछि। आदित्य राजक चयन पर झंझारपुरक खेलप्रेमी, स्थानीय लोक आ क्षेत्रक लोक सभ खुशी व्यक्त करैत चयन समिति कें बधाई देलनि। लोक सभक कहब अछि जे झंझारपुरक एकटा युवा खेलाड़ी कें बिहार अंडर-23 टीमक नेतृत्व करबाक अवसर भेटब क्षेत्रक नवोदित क्रिकेटर सभ लेल सेहो प्रेरणाक विषय अछि।