आयुष ग्राम कार्यक्रम मे 200 लोकक स्वास्थ्य परीक्षण, 50 महिला कें किचन गार्डन किट
मधुबनी, समदिया
आयुष ग्राम कार्यक्रमक अंतर्गत बिस्फी प्रखंडक मुरलियाचक मे स्वास्थ्य एवं जन-जागरूकता कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रम मे परसौनी आ नहास पंचायतक जनप्रतिनिधि सभक संग पैघ संख्या मे स्थानीय ग्रामीण सहभागी भेलाह। कार्यक्रमक उद्देश्य ग्रामीण क्षेत्रक लोक कें आयुष पद्धति, योग आ स्वस्थ जीवनशैलीक प्रति जागरूक करब रहल।
एहि अवसर पर करीब 200 लोकक स्वास्थ्य परीक्षण कएल गेल। चिकित्सकीय परामर्शक बाद आवश्यकतानुसार दवा सेहो वितरित कएल गेल। लोक सभ कें स्वस्थ जीवनशैली अपनाबय, नियमित योग करय आ प्राकृतिक चिकित्सा पद्धतिक उपयोगक प्रति जागरूक कएल गेल। कार्यक्रमक दौरान आयोजित योग सत्र मे सहभागी सभ कें प्राणायामक संग विभिन्न योगाभ्यास कराओल गेल। योग प्रशिक्षक सभ नियमित योगाभ्यासक महत्वक जानकारी दैत एकरा दैनिक जीवनक हिस्सा बनेबाक लेल प्रेरित केलनि। कार्यक्रमक अंतर्गत 50 महिलाक बीच किचन गार्डन किट वितरित कएल गेल। एहि माध्यम सं महिला कें अपन घरक आसपास पौष्टिक एवं उपयोगी तरकारीक संग औषधीय गाछ उगाबय लेल प्रोत्साहित कएल गेल। एहि अवसर पर पंचायत सभक जनप्रतिनिधि सभ कें औषधीय गाछ भेंट कए सम्मानित कएल गेल। संगहि कार्यक्रम परिसर मे वृक्षारोपण सेहो कएल गेल। उपस्थित लोक सभ पर्यावरण संरक्षण आ हरियर वातावरणक निर्माण लेल बेसी सं बेसी गाछ लगाबयक संकल्प केलनि। कार्यक्रम मे जनप्रतिनिधि आ ग्रामीण सभ आयुष ग्रामक गतिविधिक सराहना करैत स्वास्थ्य, योग, पोषण आ पर्यावरण संरक्षण सं जुड़ल प्रयास कें ग्रामीण स्तर धरि निरंतर पहुंचेबाक आवश्यकता पर बल देलनि। कार्यक्रमक माध्यम सं स्वस्थ जीवनशैली अपनाबयक संग प्रकृति आ पर्यावरणक संरक्षणक संदेश सेहो देल गेल।
=========================================================================