आगामी पर्व-त्योहार कें लए पुलिस सतर्क, थानाध्यक्ष देलनि विशेष निगरानीक निर्देश
- दर्ज मामिला सं 50 बेसी निष्पादन, एक मास मे 60 गिरफ्तारी
झंझारपुर, समदिया
अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी सुबोध कुमार सिन्हा मंगलदिन सांझ अपन कार्यालय प्रकोष्ठ मे अनुमंडलक सभ थानाध्यक्ष सभक संग मासिक अपराध गोष्ठी केलनि। गोष्ठी मे सितंबर मासक पुलिसक काजक समीक्षा करैत अक्टूबर मासक कार्ययोजना पर आवश्यक निर्देश देल गेल। एहि दौरान लंबित कांडक समीक्षा संग आगामी दुर्गापूजा, दीपावली, छठि आ अंधराठाढ़ी मे प्रस्तावित सार्वजनिक कार्यक्रम सभक सुरक्षा-व्यवस्था पर विस्तार सं चर्चा भेल। एसडीपीओ कहलनि जे गत मास 128 कांड दर्ज भेल, जखन कि 178 कांडक निष्पादन कएल गेल। एहि प्रकारें दर्ज कांडक अपेक्षा 50 बेसी कांडक निष्पादन भेल अछि। ओ कहलनि जे गत मास 60 व्यक्ति गिरफ्तार कएल गेल छथि। शराब आ सूखा नशा सं जुड़ल अपराध पर पुलिस कें कड़ा नजरि रखबाक निर्देश देल गेल अछि। संगहि अपराधक क्षेत्र मे सामने आबि रहल नव-नव तकनीकी चुनौतीक सामना करबाक लेल सेहो रणनीति बनाओल गेल। दुर्गापूजा कें लए एसडीपीओ सभ थानाध्यक्ष कें विशेष सतर्कता बरतबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे दुर्गापूजा आ दीपावलीक अवसर पर पुलिस पूर्ण रूप सं सक्रिय रहत। बाइक टीम आ 112 आपात सेवा सेहो पूर्ण रूप सं सक्रिय राखल जाएत। सहयोग पोर्टल पर प्राप्त मामिला सभक समय पर निष्पादन करबाक निर्देश देल गेल। ओ कहलनि जे दुर्गापूजाक आयोजन निर्धारित लाइसेंस आ रूट चार्टक आधार पर होयबाक चाही। डीजे पर पूर्ण प्रतिबंध रहत। पर्वक दौरान पैघ संख्या मे लोक घर सं बाहर निकलैत छथि, ताहि कारणें उपद्रवी तत्व पर विशेष निगरानी रखबाक निर्देश देल गेल। नियमित गश्तीक अतिरिक्त सांझक समय आ संवेदनशील स्थान सभ पर विशेष गश्ती व्यवस्था सुनिश्चित करबाक लेल कहल गेल। अपराध गोष्ठी मे झंझारपुर पुलिस निरीक्षक राज कपूर, झंझारपुर टाउन थानाध्यक्ष सुनील कुमार सिंह, भैरव स्थान थानाध्यक्ष सत्येंद्र तिवारी, अररिया संग्राम थानाध्यक्ष अर्पण कुमार, झंझारपुर आरएस थानाध्यक्ष माया कुमारी, लखनौर थानाध्यक्ष बेमिसाल कुमार, रुद्रपुर थानाध्यक्ष मंजुला मिश्रा, अंधराठाढ़ी थानाध्यक्ष जितेश मिश्रा, मधेपुर थानाध्यक्ष विश्वजीत कुमार आ भेजा थानाध्यक्ष आदित्य कुमार उपस्थित छलाह।