Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

भरतपुर मे किसानक लेल पांच दिवसीय प्रशिक्षण कार्यक्रम

Avatar
By Samadiya Mithila
October 7, 2026 2 Min Read
0

 

 

मधुबनी, समदिया

कृषि प्रौद्योगिकी प्रबंध अभिकरण (आत्मा), मधुबनीक तत्वावधान मे किसान सभक लेल भारतीय सरसों अनुसंधान संस्थान, भरतपुर (राजस्थान) मे पांच दिवसीय प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजित कएल जा रहल अछि। एहि प्रशिक्षण कार्यक्रम मे मधुबनी जिलाक चयनित किसान प्रशिक्षण प्राप्त कए रहल छथि। प्रशिक्षणक दौरान किसान सभ कें सरसों आ अन्य तिलहनी फसिलक उन्नत एवं वैज्ञानिक खेती, उन्नत किस्मक चयन, गुणवत्तापूर्ण बीज उत्पादन, बीज उपचार, संतुलित उर्वरक एवं पोषक तत्व प्रबंधन, सिंचाइ प्रबंधन, कीट एवं रोग प्रबंधन तथा आधुनिक कृषि तकनीकक जानकारी विशेषज्ञ वैज्ञानिक सभ द्वारा देल जा रहल अछि। किसान सभ कें विशेष रूप सं कम लागत मे बेसी उत्पादन, जल एवं माटिक संरक्षण, समेकित कीट प्रबंधन, कृषि यंत्रीकरण तथा उत्पादनक बाद मूल्य संवर्धन एवं विपणन सं संबंधित व्यावहारिक जानकारी सेहो देल जा रहल अछि। प्रशिक्षणक दौरान किसान सभ संस्थानक वैज्ञानिक सभ सं संवाद कए सरसों उत्पादन सं जुड़ल अपन समस्या आ जिज्ञासा सभक समाधान प्राप्त केलनि। एहि अवसर पर किसान सभ कें बदलैत कृषि परिवेशक अनुरूप नव तकनीक अपनाबय, उन्नत कृषि पद्धतिक प्रयोग करय तथा तिलहन उत्पादन मे आत्मनिर्भरता बढ़ेबाक लेल प्रेरित कएल गेल। प्रशिक्षणक उद्देश्य किसान सभक तकनीकी दक्षता बढ़ेबाक संग हुनकर उत्पादन क्षमता एवं आय मे वृद्धि करब अछि। किसान सभ प्रशिक्षण कार्यक्रम कें उपयोगी एवं ज्ञानवर्धक बतबैत कहलनि जे भारतीय सरसों अनुसंधान संस्थान, भरतपुर मे प्राप्त वैज्ञानिक एवं व्यावहारिक जानकारी कें ओ अपन खेत मे अपनायत सरसों सहित अन्य तिलहनी फसिलक उत्पादकता बढ़ेबाक प्रयास करताह। एहि प्रशिक्षण कार्यक्रम मे जिलाक रहिका प्रखंड सं अरुण कुमार भंडारी, बाबूबरही सं अशोक कुमार यादव, खजौली प्रखंड सं सूर्य नारायण चौधरी, झंझारपुर सं राघव चौधरी, बेनीपट्टी सं राजकुमार झा सहित जिलाक सभ प्रखंड सं किसान सहभागी छथि। किसान सभ बिनोद कुमार, प्रखंड तकनीकी प्रबंधक, एवं देवकी नंदन पाल, सहायक तकनीकी प्रबंधकक नेतृत्व मे प्रशिक्षण कार्यक्रम मे भाग लए रहल छथि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सुपौल मे कपड़ा व्यवसायीक इनोवा पर 3 राउंड फायरिंग

Next

आगामी पर्व-त्योहार कें लए पुलिस सतर्क, थानाध्यक्ष देलनि विशेष निगरानीक निर्देश

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech