Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़

Avatar
By Samadiya Mithila
October 26, 2026 2 Min Read
0

 

  • संजय सरावगी कहलनि, राजनीति मे मर्यादा जरूरी

 

पटना, समदिया

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक संबंध मे कांग्रेसक राष्ट्रीय अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गेक अमर्यादित टिप्पणीक विरोध मे सोमदिन भाजपा पटना मे जोरदार प्रदर्शन कयलक। प्रदेश भाजपा अध्यक्ष संजय सरावगीक नेतृत्व मे सैकड़ो कार्यकर्ता सड़क पर उतरि कांग्रेस नेतृत्वक विरुद्ध अपन आक्रोश प्रकट कयलनि। कार्यकर्ता सभ नारा लगबैत खड़गेक पुतला दहन कयलनि। एहि दौरान पुतला पर थापड़ मारि विरोध जताओल गेल। कार्यकर्तासभक हाथ मे कांग्रेस आ राहुल गांधी विरोधी नारा लिखल तख्ती आ पोस्टर सेहो छल।

प्रदेश भाजपा कार्यालय लग पैघ संख्या मे जुटल कार्यकर्ता सभ आयकर गोलंबर होइत डाकबंगला चौराहा धरि प्रदर्शन कयलनि। तकर बाद ओतय कांग्रेस नेता सभक पुतला दहन कए विरोध दर्ज करौलनि। प्रदर्शन मे सहकारिता मंत्री रामकृपाल यादव, विधायक आ मुख्य सचेतक संजीव चौरसिया सहित पार्टीक कतेको वरिष्ठ नेता आ पदाधिकारी शामिल छलाह।

संजय सरावगी खड़गेक टिप्पणी पर विरोध व्यक्त करैत कहलनि जे देशक प्रधानमंत्रीक राजनीति सं असहमति भए सकैत अछि, मुदा हुनकर दिवंगत माता-पिताक संबंध मे अपशब्दक प्रयोग कोनो परिस्थिति मे स्वीकार्य नहि अछि। ओ कहलनि जे प्रधानमंत्रीक दिवंगत माताक संबंध मे पहिनहुं बिहारक धरती पर अमर्यादित भाषा बाजल गेल छल। हुनका मोन अछि जे हुनकर गृह जिला दरभंगा मे सेहो प्रधानमंत्रीक माताक विरुद्ध अपशब्द कहल गेल छल।

आब कांग्रेसक राष्ट्रीय अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खरगे बिहार केसरी श्रीकृष्ण सिंहक जयंतीक पवित्र मंचक उपयोग करैत प्रधानमंत्रीक दिवंगत पिताक संबंध मे आपत्तिजनक भाषा बजलाह। दशक सभ पहिने दिवंगत भए चुकल व्यक्तिक प्रति एहन टिप्पणी राजनीतिक मर्यादाक विरुद्ध अछि। बिहारक जनता एहन भाषा कें बर्दाश्त नहि करत।

जनताक मुद्दा छोड़ि अमर्यादित टिप्पणी कए रहल कांग्रेस

सरावगी आरोप लगौलनि जे कांग्रेस आ महागठबंधन कें जनता जाहि तरहें नकारि देने अछि, ताहि कारण एहि दलसभक हताशा हुनकर बयान सभ मे देखाइत अछि। जनताक मुद्दा पर चर्चा करबाक बदला कांग्रेस नेता अमर्यादित टिप्पणी कए अपन खीझ निकालि रहल छथि। ओ कहलनि जे प्रधानमंत्री देशक नेतृत्व करैत छथि। हुनकर पदक गरिमाक संग-संग परिवारक प्रति सेहो सम्मानजनक भाषाक प्रयोग होयबाक चाही।

सरावगी कहलनि जे खरगे पहिनहुं प्रधानमंत्रीक विरुद्ध मौत के सौदागर आ नीच सन शब्दक प्रयोग कयने छलाह। हुनकर गरीब पृष्ठभूमि पर सेहो टिप्पणी कयल गेल छल। ओ विश्वास जतौलनि जे जनता एहन बयानक जवाब लोकतांत्रिक तरीका सं देत आ कांग्रेस कें एकर राजनीतिक परिणाम भोगय पड़त।

भाजपा नेता सभ कहलनि जे लोकतंत्र मे राजनीतिक विरोधक अधिकार सभ कें अछि, मुदा विरोधक नाम पर व्यक्तिगत आ पारिवारिक मर्यादाक उल्लंघन उचित नहि। प्रदर्शन मे मंत्री रामकृपाल यादव, संजीव चौरसिया, रत्नेश कुशवाहा, संजय गुप्ता, निशा सिंह, गायत्री देवी, निवेदिता सिंह, जनक राम, कविता पासवान आ रामनारायण मंडल सहित कतेको नेता उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार

Next

डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
  • खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
  • बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
  • नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
  • खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
  • बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
  • नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech