Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

Avatar
By Samadiya Mithila
October 26, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • नीलम देवी सं राज्यमंत्रीक दर्जा सेहो लेल गेल वापस

 

पटना, समदिया

मोकामा विधायक अनंत सिंहक विरुद्ध जदयू लगातार कठोर कारबाइ कए रहल अछि। पार्टी सं निष्कासित कयल गेलाक बाद आब हुनकर विधानसभा सदस्यता समाप्त करबाक मांग उठाओल गेल अछि। एहि बीच सरकारी आवास खाली करय लेल सेहो पत्र जारी कयल गेल अछि।

नीलम देवी कें पटना स्थित 1, मॉल रोडक सरकारी आवास खाली करबाक आदेश देल गेल अछि। बिहार सरकारक भवन निर्माण विभाग द्वारा जारी पत्र मे हुनका 25 नवंबर 2026 धरि आवास खाली करबाक निर्देश देल गेल अछि। आवास खाली करबाक नोटिस जारी भेलाक बाद कांग्रेसक पूर्व विधायक नीतू सिंह अनंत सिंह सं भेंट करबाक लेल पहुंचल छलीह। सोमदिन भोरे अनंत सिंहक पत्नी नीलम देवी कें 20 सूत्री समितिक सदस्य पद सं हटा देल गेल। एकरा संगहि हुनक राज्यमंत्रीक दर्जा सेहो वापस लए लेल गेल अछि।

दिल्ली मे अनंत सिंह सं जुड़ल सवाल टारि गेलाह ललन सिंह आ संजय झा

जदयूक वरिष्ठ नेता आ केंद्रीय मंत्री ललन सिंह तथा संजय झा दिल्ली मे एकहि संग देखल गेलाह। पत्रकार सभ दुनू नेता सं अनंत सिंहक संबंध मे सवाल पूछलनि, मुदा ओ सभ चुप्पी साधि लेलनि। पत्रकार सभ केंद्रीय मंत्री राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह सं पूछलनि जे अहां दुनू जदयूक वरिष्ठ नेता छी। बिहार मे अनंत सिंहक विरुद्ध कारबाइ कयल गेल अछि। की एहि कारबाइ मे विधानसभा सदस्यता समाप्त करबाक विषय सेहो शामिल अछि? एहि सवाल पर ललन सिंह आगू बढ़ैत अपन गाड़ीक लग पहुंचलाह आ कहलनि जे संजय झा जी सं बात करू। एकर बाद गाड़ी मे बैसबाक पहिने ओ संजय झा दिस तकैत मुस्कुरेलाह आ कहलनि जे मतलब, ठीक कहने छी ने?

भाजपा पर यूज एंड थ्रो नीति अपनेबाक आरोप

पूर्णियाक सांसद पप्पू यादव मोकामा विधायक अनंत सिंह कें जदयू सं छह वर्ष लेल निष्कासित कयल गेलाक बाद भाजपा आ राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ (आरएसएस) पर निशाना साधलनि। ओ कहलनि जे ई आरएसएस आ भाजपाक चरित्र अछि – इस्तेमाल करू आ फेकि दिअ। आनंद मोहनक संग की कयलनि? दिनेश जीक संग की कयलनि? अजय मंडल आ गिरधारी यादवक संग की कयलनि?

पप्पू यादव एहि समूचा विवाद लेल ललन सिंह आ संजय झा कें जिम्मेदार ठहरौलनि। हुनकर कहब छलनि जे एहि दुनू नेताक कारणें विवाद बढ़ि रहल अछि। ओ कहलनि जे अनंत सिंह जे कहलनि, से सही छल। अनुशासन रहबाक चाही। जं कोनो विधायक वा सांसद अनुशासन तोड़ैत छथि, तं पार्टी हुनका विरुद्ध निर्णय लेबाक लेल स्वतंत्र अछि। मुदा अनुशासनक पालन सभक लेल समान रूप सं होयबाक चाही। एहि घटनाक्रमक बाद अनंत सिंहक राजनीतिक भविष्य आ विधानसभा सदस्यताक संबंध मे आगू की निर्णय होइत अछि, एहि पर सभक नजरि टिकल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

पूर्व मंत्रीक पत्नी पर घर मे घुसि चक्कू सं हमला, जान सं मारबाक धमकीक आरोप

Next

बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
  • खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
  • बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
  • नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
  • खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
  • बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
  • नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech