पूर्व मंत्रीक पत्नी पर घर मे घुसि चक्कू सं हमला, जान सं मारबाक धमकीक आरोप
शिवाजीनगर मे आधा रातिक घटना सं दहशत
थाना मे आवेदन दए प्राथमिकी आ सुरक्षा उपलब्ध करयबाक मांग
शिवाजीनगर/समस्तीपुर, समदिया
शिवाजीनगर थाना क्षेत्रक परसा गांव मे रविदिन राति घर मे घुसि पूर्व मंत्री स्वर्गीय गजेंद्र प्रसाद सिंहक पत्नी उर्मिला सिन्हा कें डरयला-धमकयला आ चक्कू सं हमला करबाक मामिला सोझां आयल अछि। पीड़िता उर्मिला सिन्हा थानाध्यक्ष कें लिखित आवेदन दए घटनाक प्राथमिकी दर्ज करबाक, आरोपितक पहचान कए कानूनी कारबाइ करबाक आ अपन सुरक्षा सुनिश्चित करबाक मांग कयलनि अछि। थाना मे देल गेल आवेदन मे ओ बतौलनि जे 25 अक्टूबर, रविदिन राति करीब 10 बजे भोजन कयलाक बाद किछु देर टीवी देखलनि आ फेर अपन कोठरी मे सुति रहलीह। एहि दौरान कोठरी मे हलुक आवाज सुनाइ पड़ल, मुदा हुनका लागलनि जे बगलवला पड़ोसीक घर मे कोनो पाहुन आयल हेतनि। एहि कारण ओ आवाज पर विशेष ध्यान नहि देलनि।