पूर्व मुखियाक पतिक गोली मारि हत्या, घटनाक बाद जांच मे जुटल पुलिस
सरबेला पुल लग बाइक सवार दू अपराधी केलक घटना, सहरसा मे इलाजक दौरान मृत्यु
सहरसा, समदिया
जिलाक सलखुआ प्रखंडक हरेवा पंचायतक पूर्व मुखिया उम् मे कुलशुमक पति मो. गुड्डू (50)क गोली मारि हत्या कए देल गेलनि। बनमा ईटहरी प्रखंडक सरबेला सं घर घुरबाक क्रम मे सरबेला पुलक लग बाइक सवार दू अज्ञात अपराधी हुनका पर ताबड़तोड़ गोलीबारी कए देलक। घटना कें अंजाम देलाक बाद दुनू अपराधी हथियार लहरबैत फरार भए गेल। एहि घटनाक बाद इलाका मे दहशतक माहौल अछि।
- घर घुरबाक दौरान केलक हमला
भेटल जानकारीक अनुसार, मो. गुड्डू सरबेला सं अपन घर घुरि रहल छलाह। एही दौरान सरबेला पुलक लग पहिने सं घात लगौने बाइक सवार दू अपराधी हुनका निशाना बनबैत गोली चला देलक। गोली लगला सं ओ गंभीर रूप सं घायल भए घटनास्थले पर खसि पड़लाह। गोली चलबाक आवाज सुनि आसपासक लोक घटनास्थल पर पहुंचला आ घायल गुड्डू कें अस्पताल पहुंचौलनि। प्राथमिक उपचारक बाद हुनकर गंभीर स्थिति देखैत नीक इलाजक लेल सहरसा रेफर कय देल गेलनि। मुदा सहरसा मे इलाजक दौरान हुनकर मृत्यु भए गेलनि। हुनकर मृत्यु कें खबरि भेटिते परिजन सभ मे कोहराम मचि गेल।
- हत्याक कारणक पता लगाबय मे जुटल पुलिस
सिमरी बख्तियारपुरक एसडीपीओ निशीकांत भारती घटनाक पुष्टि कयलनि। ओ कहलनि जे फिलहाल हत्याक कारणक पता नहि चलि सकल अछि। पुलिस पुरान रंजिश सहित अन्य संभावित बिंदु सभ कें ध्यान मे रखैत मामिलाक जांच कए रहल अछि। अपराधीसभक पहचान आ गिरफ्तारी लेल छापामारी कयल जा रहल अछि। घटनाक बाद क्षेत्र मे भयक माहौल अछि। पुलिस मामिलाक गहन जांच मे जुटल अछि।