Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु

Avatar
By Samadiya Mithila
October 26, 2026 2 Min Read
0

 

पुलिस तनलक राइफल तं डर सं नदी मे कूदल युवक

  • ग्रामीण सभ मे अछि आक्रोश

 

बेगूसराय, समदिया

बेगूसराय सं एकटा सनसनीखेज मामिला सोझां आयल अछि। पुलिसक डर सं एकटा युवक नदी मे कूदि पड़ल। तेज धार मे डूबि गेला सं ओकर मृत्यु भए गेल। घटना डंडारी थाना क्षेत्रक अछि। मृतकक पहिचान धीरेंद्र यादव उर्फ धारो यादव (30 वर्ष)क रूप मे भेल अछि। बताओल जाइत अछि जे एकटा मामिला मे पुलिस ओकरा पकड़बाक लेल गेल छल। पुलिस कें देखि धीरेंद्र डरे भागय लागल आ नदी मे कूदि गेल। आरोप अछि जे पुलिस ओकरा बचेबाक प्रयास नहि केलक। एतबे नहि, पुलिस ग्रामीण सभ कें सेहो एहि मामिला सं दूर रहबाक चेतावनी देलक। मृतकक पिता राम रतन यादव पुलिसक भूमिका पर गंभीर प्रश्न उठौने छथि।

राम रतन यादवक कहब अछि जे धीरेंद्र यादव पर मुकदमा अछि। बांधक कात बूढ़ी गंडक नदी लग एकटा मंदिर अछि। डंडारी पुलिसक गश्ती दल ओकरा गिरफ्तार करबाक लेल आयल छल। ओ घाट पर बैसल छल। पांच-छह पुलिसकर्मी छलाह। ओकरा पर राइफल तानि देलनि। ओ डरे पानि मे कूदि पड़ल। पानि गहींर छल, ओ बाहर नहि निकलि सकल आ ओकर मृत्यु भए गेल।

मृतकक भाइ गुलशन कुमारक आरोप अछि जे धीरेंद्रक पानि मे डूबि मृत्यु भेलाक बाद सभ पुलिसकर्मी ओतय सं चलि गेलाह। ओ कहलनि जे पुलिस अधीक्षक पूछैत छथि जे ओ थाना मे आत्मसमर्पण किएक नहि केलक। मुदा हुनकर प्रश्न अछि जे जखन कोनो व्यक्ति डूबि रहल छल, तं पुलिस ओकर प्राण बचा सकैत छल।

गुलशनक आरोप अछि जे एकटा दरोगा कहि रहल छलाह जे जखने ओकर मुड़ी देखाइ, मुड़ी मे गोली मारि दियौ। मृतकक तीनटा बच्चा अछि। परिजन प्रशासन सं दोषी पुलिसकर्मी सभ पर कारबाइ करबाक मांग कयलनि।

की कहलनि पुलिस अधिकारी?

घटनास्थल पर पहुंचल डंडारी पुलिस बतौलक जे राजोपुर गामक धीरेंद्र यादवक पानि मे डूबि गेला सं मृत्यु भए गेल अछि। स्थानीय लोक सभ ओकर शव बाहर निकाललनि। शव कें पोस्टमार्टम लेल पठाओल गेल अछि आ आगांक कारबाइ कयल जा रहल अछि। डंडारी थानाध्यक्षक कहब अछि जे पुलिस गांव मे शराब तस्कर सभक संबंध मे भेटल गुप्त सूचनाक आधार पर छापेमारी करबाक लेल गेल छल। धीरेंद्र यादव उर्फ धारो यादव शस्त्र अधिनियम सहित कतेको आपराधिक मामिला मे आरोपित छल। पुलिस कें देखिते ओ भागय लागल आ भागबाक क्रम मे नदी मे कूदि पड़ल, जाहि सं ओकर मृत्यु भए गेल।

आक्रोशित लोक सभ कयलनि सड़क जाम

घटनाक बाद स्थानीय लोक सभ मे भारी आक्रोश देखल गेल। परिजन आ सैकड़ो ग्रामीण शव सड़क पर राखि जाम कए देलनि आ पुलिसक विरुद्ध जमि कए विरोध-प्रदर्शन कयलनि। आक्रोशित लोक सभक कहब छलनि जे जं पुलिस समय रहैत युवक कें बचेबाक प्रयास करैत, तं ओकर जान बचि सकैत छल। एहि घटना सं क्षेत्र मे तनावक स्थिति बनि गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
  • खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
  • बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
  • नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
  • खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
  • बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
  • नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech