पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालय, बेगूसराय मे दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना; कैबिनेटक पैघ फैसला
अमलेश आनंदक रिपोर्ट
बिहारक पहिल महिला विश्वविद्यालय पटना मे स्थापित होयत। एकर नाम मां सीता महिला विश्वविद्यालय राखल गेल अछि। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुधदिन भेल बिहार मंत्रिमंडलक बैसार मे एहि प्रस्ताव पर स्वीकृति देल गेल। मंत्रिमंडल बेगूसराय मे राष्ट्रकवि रामधारी सिंह दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना करबाक प्रस्ताव कें सेहो मंजूरी देलक।
बैसार मे पशुपालक सभ कें गाय-भैंस किनबाक लेल ब्याजमुक्त ऋण देबाक निर्णय सेहो लेल गेल। मुख्यमंत्री गो धन विकास ऋण योजना अंतर्गत लाभुक कें बैंक सं भेटत ऋणक मात्र मूलधन वापस करय पड़त, जखन कि ओकर ब्याज पर सरकार 100 प्रतिशत अनुदान देत।
मंत्रिमंडलक बैसार मे पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालयक स्थापना लेल स्वीकृति देल गेल। विश्वविद्यालय मे पदाधिकारी आ कर्मचारी सभक वेतन आदि पर होमयबला खर्च लेल सेहो प्रशासनिक स्वीकृति देल गेल अछि। ई अपन तरहक पहिल एहन महिला विश्वविद्यालय होयत, जतय चपरासी सं लए कए कुलपति धरि सभ पद पर मात्र महिलाक नियुक्ति होयत। विश्वविद्यालय मे मात्र छात्रा कें प्रवेश देल जायत। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी पूर्वहि महिला विश्वविद्यालय खोलबाक घोषणा केने छलाह।
बेगूसराय जिला मे राष्ट्रकवि रामधारी सिंह दिनकरक नाम पर विश्वविद्यालयक स्थापना होयत। बुधदिन मंत्रिमंडल एहि प्रस्ताव कें मंजूरी देलक। मुख्यमंत्री कहलनि जे राष्ट्रकवि दिनकरक जयंतीक अवसर पर सरकार ई निर्णय लेलक अछि। दिनकर विश्वविद्यालय मे पदाधिकारी आ कर्मचारी सभक वेतन आदि लेल 15 करोड़ टाका प्रावधान कएल गेल अछि। मुख्यमंत्रीक अनुसार, दिनकरक साहित्यिक राष्ट्रचेतना कें नव पीढ़ी धरि पहुंचेबाक दिशा मे ई पहल महत्वपूर्ण होयत।
गाय-भैंस किनबाक लेल भेटत ब्याजमुक्त ऋण
मुख्यमंत्री गो-धन विकास ऋण योजनाक माध्यम सं पशुपालक सभ कें बैंक द्वारा पूर्ण रूपेण ब्याजमुक्त ऋण भेटत। योजना अंतर्गत 3 उन्नत नस्लक गाय अथवा 2 भैंसक माध्यम सं दुग्ध उत्पादन कए पशुपालक अपन आमदनी बढ़ा सकताह। ऋणक ब्याजक 100 प्रतिशत भार सरकार वहन करत। एहि योजना लेल 1600 करोड़ टाका सं बेसीक बजट स्वीकृत कएल गेल अछि।
कोसी क्षेत्र मे 8 डेयरी परियोजना
कोसी क्षेत्र मे डेयरी विकास लेल 8 परियोजना कें सेहो स्वीकृति देल गेल अछि। एहि अंतर्गत 500 नव दुग्ध सहकारी समितिक गठनक संग डेयरी, मिल्क चिलिंग आ बीएमसीयू सन सुविधा विकसित कएल जायत। एहि लेल 126.07 करोड़ टाका स्वीकृत कएल गेल अछि।
नवादा जिलाक वारिसलीगंज मे नव चीनी मिल स्थापित करबाक प्रस्ताव कें सेहो मंजूरी देल गेल अछि। एहि चीनी मिल पर 500 करोड़ टाकाक निवेश होयत। मुख्यमंत्रीक अनुसार, नवादा, नालंदा, शेखपुरा आ जमुईक हजारो किसान कें एकर प्रत्यक्ष लाभ भेटत।