दरभंगा, समदिया
दरभंगाक जमालपुर थाना क्षेत्र मे अर्धवार्षिक परीक्षा देबाक लेल स्कूल जा रहल दसमीक एक छात्रा सं छेड़छाड़ आ माइरपीटक घटना सामने आयल अछि। आरोप अछि जे दू युवक छात्रा कें खिहाड़ैत ओकरा जबरदस्ती बाइक पर बैसेबाक प्रयास कएलक। छात्रा जान बचबैत एकटा दोकान मे जा कए दोकानदारक पाछू नुकायल आ मदति केर गोहारि लगौलक। घटनाक सूचना भेटलाक करीब पांच घंटाक भीतर पुलिस एकटा विधि-विरुद्ध बालक सहित दू आरोपित कें पकड़ि लेलक। गिरफ्तार युवकक पहिचान 19 वर्षीय राजू सदाक रूप मे भेल अछि। घटना मे प्रयुक्त बाइक सेहो पुलिस जब्त केने अछि। मामिला मे पॉक्सो एक्टक अंतर्गत प्राथमिकी दर्ज कएल गेल अछि।
परिजनक अनुसार, छात्रा अपन नानीक घर रहि कए पढ़ाइ करैत अछि। नानीक घर किरतपुर उच्च विद्यालय सं करीब चारि किलोमीटर दूर कोसी नदीक दोसर कात अछि। छात्रा प्रतिदिन नाव सं कोसी पार कए किछु दूर पैदल चलि स्कूल पहुंचैत अछि। ओकर पिता गाम मे मजदूरी करैत छथि, जखन कि माता किरतपुर चौक स्थित एकटा निजी नर्सिंग होम मे सफाइक काज करैत छथि।
छात्राक मामाक आरोप अछि जे सोमदिन परीक्षा देबाक लेल निकलल छात्राक पाछू पीछा दुनू युवक करीब दू किलोमीटर पहिने सं लागल छल। एकटा दोकानदार छात्रा कें बचेबाक प्रयास कएलनि तं आरोपित सभ हुनका सं सेहो माइरपीट कएलक। छात्रा बचबाक लेल एकटा जीर्ण-शीर्ण घर मे घुसि गेल, मुदा आरोपित सभ ओतहु पहुंचि गेल आ माइरपीट कएलक। एहि बीच स्थानीय लोक डायल-112 पर फोन कए पुलिस कें सूचना देलनि।
सूचना भेटलाक बाद छात्राक माय सेहो घटनास्थल पर पहुंचली। आरोप अछि जे हुनका संग सेहो माइरपीट कएल गेल। बाद मे स्थानीय लोक आ दोकानदार सभ छात्रा कें आरोपित सभ सं बचौलनि। घायल छात्रा कें किरतपुर सामुदायिक स्वास्थ्य केंद्र मे इलाज कराओल गेल, जतय ओकर गर्दनि मे कनेक चोट भेटल। किरतपुर पंचायतक मुखिया कैलु दासक अनुसार, घटनाक समय दुनू युवक निशाक अवस्था मे छल। पुलिसक पहुंच सं पहिने दुनू घटनास्थल सं फरार भए गेल छल।
जमालपुर थानाध्यक्ष मुकेश कुमारक अनुसार, छात्राक माताक आवेदन पर प्राथमिकी दर्ज कए राजू कुमार सदा आ एकटा विधि-विरुद्ध बालक कें पकड़ल गेल अछि। छात्राक बयानक आधार पर आगांक कानूनी कारबाइ चलि रहल अछि।
ग्रामीण एसपी साक्षी कुमारीक अनुसार, घटना 21 सितंबरक भोर करीब 9 बजे कोसी बांध लग भेल। पुलिस घटनाक सूचना भेटलाक बाद छात्रा कें अपन संरक्षण मे लेने छल। बिरौल एसडीपीओ प्रभाकर तिवारीक नेतृत्व मे विशेष टीम गठित कए करीब पांच घंटा मे दुनू आरोपित कें गिरफ्तार कएल गेल। पुलिसक अनुसार, छात्रा आ महिलाक सुरक्षाक लेल क्षेत्र मे गश्ती बढ़ाओल गेल अछि आ विद्यालय सभ मे जागरूकता कार्यक्रम चलाओल जा रहल अछि।