दरभंगा मे शिक्षकक बेटाक गोली मारि हत्या, छाती आ कनपटी मे लागल गोली
राति आठ बजे घर सं दवाइ लेबा लेल निकलल छल फोटो : डीबीजी दरभंगा, समदिया दरभंगाक कमतौल मे मंगलदिन देर रात 25 वर्षीय युवकक तीन गोली मारि हत्या कए देल गेल। मृतकक सीन आ कनपटी मे गोली लागल अछि। ओकर शव रतनपुर-कलवाड़ा मुख्य सड़कक कात आमक बगीचा लग झाड़ी मे…
दरभंगा समाचार : भारतक न्यूयार्क बनत मिथिला शोध संस्थान, संजय झा केर पैघ योजना
दरभंगा। मिथिलाक सदियों पुरान ज्ञान परंपरा आब आधुनिक तकनीक आ शोधक नव दौर सं जुड़य जा रहल अछि। मिथिला शोध संस्थान कें एहन केंद्रक रूप मे विकसित करबाक तैयारी अछि, जतय प्राचीन पांडुलिपि सं लए आधुनिक विषय धरि अध्ययन आ अनुसंधानक सुविधा विकसित कएल जाएत। जदयू…
दरभंगा मे एलिवेटेड सड़क निर्माणक दौरान ऊपर सं खसल लोहाक शटरिंग, नीचां दबि गेल बाइक सवार
दरभंगा। बिहारक दरभंगा शहरक व्यस्ततम कर्पूरी चौक पर सोम दिन सांझ लगभग 4 बजे एलिवेटेड सड़क निर्माणक दौरान अचानक ऊपर सं पैघ लोहेक शटरिंग सीधा सड़क सं गुजरि रहल एक बाइक सवार पर खसि पड़ल। एहि दुर्घटना मे बाइक सवार युवक गंभीर रूप सं घायल भए गेल। शटरिंगक वजन…
241 करोड़ सं विश्वस्तरीय बनत रामनगर आ बेनीपुर आईटीआई
दरभंगा। मिथिलाक युवासभ लेल रोजगार आ तकनीकी प्रशिक्षणक बाट आब आरो मजबूत होमय जा रहल अछि। केंद्र सरकार पीएम सेतु योजना अंतर्गत दरभंगा कें पैघ सौगात दैत रामनगर आईटीआई आ बेनीपुर सरकारी आईटीआई कें विश्वस्तरीय संस्थानक रूप मे विकसित करबाक स्वीकृति देलक अछि।…