Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगा समाचार : भारतक न्यूयार्क बनत मिथिला शोध संस्थान, संजय झा केर पैघ योजना

Avatar
By Samadiya Mithila
August 18, 2026 2 Min Read
0

दरभंगा। मिथिलाक सदियों पुरान ज्ञान परंपरा आब आधुनिक तकनीक आ शोधक नव दौर सं जुड़य जा रहल अछि। मिथिला शोध संस्थान कें एहन केंद्रक रूप मे विकसित करबाक तैयारी अछि, जतय प्राचीन पांडुलिपि सं लए आधुनिक विषय धरि अध्ययन आ अनुसंधानक सुविधा विकसित कएल जाएत। जदयू केर कार्यकारी राष्ट्रीय अध्यक्ष संजय झा कहलनि जे ई संस्थान आगू चलि भारतक न्यूयार्क बनत।

संजय झा कहलनि जे मिथिला शोध संस्थान प्राचीन आ आधुनिक विद्या केर समन्वयक पैघ केंद्र बनत। एतय उच्च शिक्षा आ अनुसंधान लेल आवश्यक आधारभूत सुविधा कें प्राथमिकताक आधार पर विकसित कएल जाएत। संस्थान कें देश-विदेशक शोधार्थी सभ लेल उपयोगी बनेबाक दिशा मे सेहो विशेष जोर देल जाएत।

ओ कहलनि जे संस्थानक सर्वोच्च प्राथमिकता मे प्राचीन पांडुलिपिक डिजिटाइजेशन शामिल अछि। एहि सं दुर्लभ पांडुलिपि सभकें सुरक्षित रखबाक संगहि शोधार्थी आ विद्यार्थी सभ लेल सहज रूप सं उपलब्ध कराओल जा सकत। अगिला 15 दिनक भीतर पांडुलिपिक डिजिटाइजेशनक काज शुरू करबाक तैयारी अछि।

पांडुलिपि पर केंद्रित समावेशी पाठ्यक्रम तैयार करबाक लेल सेहो गंभीर विमर्श भेल अछि। एहि संबंध मे राष्ट्रीय पांडुलिपि मिशनक निदेशक डॉ. अनिर्वान दास आ उच्च शिक्षा सचिव राजीव रौशनक संग चर्चा भेल। पाठ्यक्रम मे मिथिलाक ज्ञान, साहित्य आ संस्कृतिक समृद्ध परंपरा कें आधुनिक शोध पद्धति सं जोड़बाक दिशा मे जोर रहत।

संजय झा डीएम कौशल कुमार, एसएसपी जगुनाथ रेड्डी, विधायक ईश्वर मंडल आ पूर्व विधान पार्षद डॉ. दिलीप चौधरीक संग संस्थानक विकास कें लए उच्चस्तरीय विमर्श कएलनि। बैठक मे संस्थानक आधारभूत संरचना, शोध सुविधा आ शैक्षणिक गतिविधि कें बेहतर बनेबाक विभिन्न पहलू पर चर्चा भेल।

मौका पर डॉ. संतोष पासवान, डॉ. जोहा सिद्धिकी, डॉ. संजीव झा, डॉ. आनंद मोहन झा, कुंदन झा सहित अन्य लोक उपस्थित छलाह। संस्थानक विकासक संग मिथिलाक प्राचीन ज्ञान-संपदा कें संरक्षित कए नव पीढ़ी आ शोधक दुनिया धरि पहुंचेबाक उम्मीद अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

दरभंगा न्यूजदरभंगा शोध संस्थानपांडुलिपि डिजिटाइजेशनमिथिला ज्ञान परंपरामिथिला पांडुलिपिमिथिला शोधमिथिला शोध संस्थानमिथिला संस्कृतिसंजय कुमार झासंजय झा
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दरभंगा मे छात्र संघ चुनावक आहटि, सितंबर-अक्टूबर मे भए सकैत अछि मतदान

Next

भागलपुर विक्रमशिला सेतु पर आवागमन मे नहि होयत कठिनाइ; सरकार आ प्रशासन करत व्यवस्था, कहलनि ऊर्जा मंत्री

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech