चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
पटना, समदिया

विद्यापति भवन मे रवि दिन चेतना समिति द्वारा प्रत्येक मासक चौथ रवि कें आयोजित होमयवला चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनीक उद्घाटन बिहार सरकारक शहरी विकास एवं आवास विभागक मंत्री नीतीश मिश्र दीप प्रज्वलित कए कयलनि। उद्घाटनक उपरांत मंत्री करीब 35टा स्टॉल पर लागल प्रदर्शनीक अवलोकन कयलनि आ महिला कलाकार सभ सं संवाद कए हुनका अपन मार्गदर्शन सं प्रोत्साहित कयलनि। कलाकार सभ कें संबोधित करैत मंत्री नीतीश मिश्र कहलनि जे मिथिला पेंटिंग सहित अन्य हस्तकला आ शिल्प सं जुड़ल कलाकार सभ कें सरकारक जे-जे योजनाक लाभ भेटबाक प्रावधान अछि, ताहि मे ओ स्वयं सेहो आवश्यक सहयोग करबाक लेल तत्पर छथि। ओ कहलनि जे मिथिलाक कला आ हस्तशिल्प कें बढ़ावा देबाक लेल कलाकार सभ कें सरकारी योजनाक लाभ सं जोड़नाइ आवश्यक अछि। चेतना समितिक अध्यक्ष विवेकानंद झा मंत्री नीतीश मिश्रक स्वागत कयलनि आ हस्तकला प्रदर्शनीक उद्देश्य एवं आयोजनक संबंध मे विस्तार सं जानकारी देलनि। प्रदर्शनी मे सहभागी कलाकार सभ मे शिवानी मिश्रा, आराधना झा, अनु झा, अनामिका कुमारी, अंबिका झा, अंजुला झा, प्रीति झा, अभिलाषा झा, साधना राम, गीतांजलि तिवारी, माधवी, वंदना चौधरी आ अंजलि नयन शामिल छलथि। एहि अवसर पर मंत्री नीतीश मिश्र श्रीमती पद्मलता झा द्वारा संकलित, अरुणा चौधरी द्वारा संपादित आ स्वर्गीय सुमेधा देवी द्वारा गाओल गीत सभक पुस्तकक लोकार्पण सेहो कयलनि। कार्यक्रम मे प्रो. माया शंकर प्रसाद सेहो उपस्थित छलीह। कार्यक्रमक संयोजक एवं समितिक उपाध्यक्ष मंजू झा मंत्री नीतीश मिश्र सहित उपस्थित सभ लोकनि प्रति धन्यवाद ज्ञापित कयलनि। मौका पर समितिक सचिव जयदेव मिश्र, उपाध्यक्ष उमेश मिश्र, संयुक्त सचिव दिनेश चंद्र झा, पूजा झा, प्रशांत कुमार मिश्र, प्रो. शैलेंद्र कुमार झा सहित अन्य लोकनि उपस्थित छलाह।
=============================================================