Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल

Avatar
By Samadiya Mithila
August 23, 2026 2 Min Read
0

पूसा, समस्तीपुर। पूसा स्थित जवाहर नवोदय विद्यालयक छात्रावास मे रैगिंग आ माइरपीटक मामिला सामने आएल अछि। आरोप अछि जे सीनियर छात्र सभ बारी-बारी सं करीब दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटि कए घायल कए देलक। घटना कें बाद सभ घायल छात्र कें अनुमंडलीय अस्पताल पूसा मे भर्ती कराओल गेल।
विद्यालय सूत्रक अनुसार, छात्रावासक मेस मे भोजन करबाक दौरान विवाद भेल। देखितहि-देखितहि मामिला बढ़ि गेल आ छात्रावासक माहौल तनावपूर्ण भए गेल।
बताओल गेल जे कक्षा आठमक किछु छात्र वार्डनक निर्देश कें नजरअंदाज करैत कक्षा सातमक छात्र सभ कें रैगिंगक नाम पर मेस सं खाना प्लेट मे लए छात्रावासक कमरा धरि पहुंचाबय लेल मजबूर करैत छलाह।
सूत्रक अनुसार, जूनियर छात्र सभ कें बेमारीक बहाना बना कए मेस सं खाना आनबाक लेल मजबूर करब सीनियर छात्र सभक कथित रैगिंगक परंपरा बनि गेल छल। एहि सं परेशान वार्डन सभ छात्र कें मेस मे जा कए खाना खायबक निर्देश देने छलाह। एहि बात कें लए विवाद बढ़लाक बाद सीनियर छात्र सभ जूनियर छात्र सभक संग मारपीट कएलनि।
घटनाक जानकारी विद्यालय प्रबंधन कें भेटला कें बाद घायल छात्र सभ कें अनुमंडलीय अस्पताल पूसा लए जाओल गेल। छात्र सभक शरीर पर बेल्ट सं पिटाइक निशान होयबाक बात सामने आएल अछि। विद्यालय मे करीब 600 छात्र-छात्रा छात्रावास मे रहि कए पढ़ाई करैत छथि।
विद्यालय प्रबंधनक अनुसार, छात्रावास मे हाउस वाइज वार्डन उपलब्ध नहि रहबाक कारण ई जिम्मेदारी शिक्षक सभ कें देल जाइत रहल अछि। एहन स्थिति मे छात्र सभक बीच अनुशासन कायम रखबाक आ छात्रावासक निगरानी कें लए सेहो सवाल उठि रहल अछि। एहि घटनाक बाद जवाहर नवोदय विद्यालयक छात्रावास व्यवस्था आ रैगिंग रोकबाक निगरानी प्रणाली पर गंभीर सवाल ठाढ़ भेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

छात्रावास मे मारपीटजवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंगजूनियर छात्रक पिटाईपूसा जवाहर नवोदय विद्यालयपूसा स्कूल समाचाररैगिंग मामला बिहारसमस्तीपुर जवाहर नवोदय विद्यालयसमस्तीपुर रैगिंग मामलासमस्तीपुर स्कूल समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन

Next

चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech