Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगा मे छात्र संघ चुनावक आहटि, सितंबर-अक्टूबर मे भए सकैत अछि मतदान

Avatar
By Samadiya Mithila
August 18, 2026 2 Min Read
0

दरभंगा। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे सत्र 2026-27 केर छात्र संघ चुनाव कें लए प्रशासनिक तैयारी तेज भए गेल अछि। मंगलदिन कुलपति प्रो. संजय कुमार चौधरीक अध्यक्षता मे स्नातकोत्तर विभागक अध्यक्ष सभ आ विश्वविद्यालयक अंतर्गत आबयबला विभिन्न कॉलेजक प्रधानाचार्य सभक संग ऑनलाइन बैठक भेल।

बैठक मे कुलपति विश्वविद्यालय आ कॉलेज सभ मे शांतिपूर्ण, पारदर्शी आ निष्पक्ष चुनाव कराएब कें प्राथमिकता बतौलनि। ओ कहलनि जे छात्र संघ चुनाव सं विद्यार्थी सभकें लोकतांत्रिक प्रक्रिया केर व्यावहारिक ज्ञान भेटैत अछि आ हुनका सभकें बेहतर अनुभव होइत अछि।

चुनावक प्रारंभिक रूपरेखा तैयार करबाक लेल कुलपति सभ प्रधानाचार्य आ विभागाध्यक्ष कें अपन-अपन संस्थान मे 2 सं 5 सदस्यीय समन्वय समिति गठित करबाक निर्देश देलनि। ई समिति अगिला 5 सं 7 दिनक भीतर मतदाता सभक सही संख्या, आवश्यक मतदान केंद्र (बूथ)क संख्या आ चुनाव मे संभावित खर्चक विवरण तैयार कए रिपोर्ट सौंपत।

कुलपति मुख्य चुनाव अधिकारी प्रो. मुनेश्वर यादव कें अगिला 1-2 दिनक भीतर चुनाव कार्यालय शुरू करबाक निर्देश देलनि। चुनाव प्रक्रिया सुचारू रूप सं चले, एहि लेल प्रत्येक सप्ताह जिलावार चुनाव अधिकारी, प्रधानाचार्य आ समन्वय समिति सदस्य सभक संग समीक्षा बैठक करबाक सेहो निर्देश देल गेल अछि।

तैयारी कें अंतिम रूप देबाक लेल सितंबर मे विश्वविद्यालय मुख्यालय मे 2-2 सत्र मे 2 दिवसीय ऑफलाइन कार्यशाला आयोजित कएल जाएत।

बैठक मे चुनाव नियमावली पर सेहो चर्चा भेल। लिंगदोह समिति केर सिफारिशक आधार पर चुनाव बायलॉजक सॉफ्ट कॉपी सदस्य सभकें उपलब्ध कराओल जाएत। प्राप्त सुझाव आ आवश्यक संशोधनक बाद एकरा विश्वविद्यालय आ संबंधित कॉलेज सभक वेबसाइट पर अपलोड कएल जाएत।

चुनाव प्रक्रिया मे फर्जीवाड़ा रोकबाक लेल मतदानक नियम कड़ा राखल गेल अछि। मतदाता छात्र ओही कें मानल जेताह, जिनका लग प्रवेश पत्र सं मैप कएल गेल परिचय पत्र होयत अथवा शिक्षक सं सत्यापित नामांकन रसीद होयत।

बैठकक दौरान विभिन्न कॉलेजक प्रधानाचार्य प्रो. मुश्ताक अहमद, प्रो. नारायण झा, डॉ. फूलो पासवान, डॉ. अवधेश कुमार सिंह, डॉ. मो. रहमतुल्लाह, प्रो. संजय कुमार झा आ डॉ. विधान चन्द्र भारती अपन विचार रखलनि। ओ सभ कहलनि जे परीक्षा आ नामांकनक तिथि कें ध्यान मे राखिए चुनावक तिथि निर्धारित कएल जाए।

सुरक्षा आ व्यवस्थाक लेल जिला प्रशासन सं अपेक्षित सहयोग लेबाक, कोर कमेटी गठित करबाक आ पर्यवेक्षकक नियुक्ति करबाक सुझाव सेहो देल गेल। नवस्थापित 30 कॉलेजक विद्यार्थी सभकें सेहो चुनाव प्रक्रिया मे शामिल करबाक बात कहल गेल।

कार्यक्रमक संचालन करैत मुख्य चुनाव अधिकारी प्रो. मुनेश्वर यादव सुझाव देलनि जे छात्र संघ चुनाव सितंबर 2026 केर आखरी सप्ताह अथवा अक्टूबरक शुरुआती दिन मे कराओल जा सकैत अछि।

स्वागत भाषण मे डीएसडब्ल्यू प्रो. अशोक कुमार मेहता कहलनि जे लोकभवन पटना दिस सं जारी दिशा-निर्देश आ जिला प्रशासनक सहयोग सं शांतिपूर्ण चुनाव संपन्न कराओल जाएत। छात्र संघ चुनावक नियम, अपडेट आ आधिकारिक सूचनाक लेल विश्वविद्यालयक पोर्टल पर जानकारी लेल जा सकैत अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

‘बिहार मे सरकार वीक, एहि लेल भ’ रहल पेपर लीक’; पटना मे गरजलाह तेजस्वी यादव

Next

दरभंगा समाचार : भारतक न्यूयार्क बनत मिथिला शोध संस्थान, संजय झा केर पैघ योजना

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech