Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगा मे 23.92 करोड़क सड़क निर्माणक जांच, कतेको ठाम काज अधूरा रहबाक शिकायत

Avatar
By Samadiya Mithila
October 24, 2026 1 Min Read
0

 

दरभंगा। बेनीपुर-मनीगाछी सड़क निर्माण मे गुणवत्ता आ देरीक शिकायत पर शनिदिन नेशनल क्वालिटी मॉनिटरक टीम जांच कयलक। करीब 18 किलोमीटर लम्बा एहि सड़कक निर्माण 23 करोड़ 92 लाख रुपैयाक लागत सं वर्ष 2024 सं कराओल जा रहल अछि। नियमानुसार, जनवरी 2026 धरि निर्माण काज पूरा होयबाक छल, मुदा एखनहु कतेको जगह काज अधूरा अछि।

स्थानीय विधायक राजेश कुमार मंडलक शिकायत पर केंद्रीय टीम सड़कक गुणवत्ता जांचय पहुंचल। टीम सड़कक मोटाइ, चौड़ाइ आ निर्माण सामग्रीक अनुपातक जांच कयलक। एहि टीम मे केंद्रीय मॉनिटर जगदीश गर्ग, ग्रामीण कार्य विभाग बेनीपुरक कार्यपालक अभियंता विवेक कुमार सोनी, सहायक अभियंता सुनील कुमार प्रसाद आ कनीय अभियंता विनीता कुमारी शामिल छलीह।

जांचक दौरान प्रत्येक 5 किलोमीटर पर सड़क खोदि क’ ओकर मोटाइ आ गुणवत्ताक जांच कएल गेल। टीम नमूना एकत्र क’ प्रयोगशाला जांच लेल पठौलक। अधिकारी सभ बतौलनि जे प्रयोगशालाक रिपोर्ट अयला के बाद विभाग के अंतिम रिपोर्ट सौंपल जायत। हालांकि, अधिकारी सभ स्थलीय जांच के संतोषजनक बतौलनि।

स्थानीय स्तर पर आरोप अछि जे निर्माण कंपनी प्राक्कलनक अनुरूप गुणवत्तापूर्ण काज नहि कएने अछि। मनीगाछी प्रखंडक भंडारीसम आ बाजितपुर पंचायत सहित बेनीपुरक सझुवार मे सड़क निर्माण अधूरा रहबाक बात सामने आयल अछि। सड़कक किनार फ्लैंकक निर्माण सेहो नहि कराओल गेल अछि।

जांचक दौरान जेडीयूक जिला उपाध्यक्ष मुरारी मोहन मिश्र आ प्रखंड जेडीयू अध्यक्ष संतोष कुमार सिंह सेहो मौजूद छलाह।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जेडीयू अनंत सिंह कें पार्टी सं निकाललक

Next

डेढ़ सालक अबोधक बलि, पटना मे पैघ भाइ केलक निर्मम हत्या

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल
  • डेढ़ सालक अबोधक बलि, पटना मे पैघ भाइ केलक निर्मम हत्या
  • दरभंगा मे 23.92 करोड़क सड़क निर्माणक जांच, कतेको ठाम काज अधूरा रहबाक शिकायत
  • जेडीयू अनंत सिंह कें पार्टी सं निकाललक
  • ईंट-भट्ठा संचालक सभक सुविधाक लेल ब्रिक्स क्लस्टरक भौगोलिक विस्तार होयत : सांसद

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल
  • डेढ़ सालक अबोधक बलि, पटना मे पैघ भाइ केलक निर्मम हत्या
  • दरभंगा मे 23.92 करोड़क सड़क निर्माणक जांच, कतेको ठाम काज अधूरा रहबाक शिकायत
  • जेडीयू अनंत सिंह कें पार्टी सं निकाललक
  • ईंट-भट्ठा संचालक सभक सुविधाक लेल ब्रिक्स क्लस्टरक भौगोलिक विस्तार होयत : सांसद

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech