नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल
- तीन सड़कक मोटाइ प्राक्कलन सं कम, कतेको जगह नव पीसीसी सड़क टूटल भेटल
-
करीब 59.54 लाख टाकाक योजना मे अनियमितताक संकेत, कारबाइ पर टिकल नजरि
सहरसा, समदिया
नगर निगम क्षेत्र मे सड़क निर्माण योजना मे अनियमितताक मामिला सोझां आयल अछि। योजना अभिलेख आ स्थल निरीक्षणक दौरान चारिटा सड़क निर्माण कार्य मे पीसीसीक गुणवत्ता निर्धारित मानकक अनुरूप नहि पाओल गेल। कतहु सड़कक मोटाइ प्राक्कलन सं कम भेटल, तं कतहु नवनिर्मित पीसीसी सड़क कतेको स्थान पर टूटल पाओल गेल। जांच प्रतिवेदन मे नाला निर्माणक गुणवत्तापर सेहो सवाल उठाओल गेल अछि। हालांकि, एहि मामिला मे संबंधित अधिकारी सभक आधिकारिक पुष्टि आ आगूक कारबाइक प्रतीक्षा अछि।
प्राप्त जांच विवरणक अनुसार, वार्ड संख्या 11 मे डॉ. शियाशरण सिंहक घर सं दिन बाबा दिस जायवला सड़क निर्माण लेल 14,95,232 टाकाक प्राक्कलित राशि निर्धारित छल। जांचक दौरान तीन स्थान पर खुदाइ कयलापर पीसीसी सड़कक औसत मोटाइ मात्र चारि इंच भेटल, जखनकि प्राक्कलन मे छह इंच निर्धारित छल। एहि तरहें, वार्ड संख्या 33 मे बहेलवा पोखर ट्रांसफॉर्मर सं दक्षिण गुप्ता पथ मे मास्टर साहेबक घर धरि 14,95,594 टाकाक लागत सं बनल सड़क कतेको स्थान पर टूटल भेटल। वार्ड संख्या 08 मे अवधेश साहक घर सं कौड़ी मोड़ पिचिंग धरि 14,68,200 टाकाक लागत सं बनल सड़कक गुणवत्ता सेहो खराब पाओल गेल।
नाला आ सड़क निर्माणक गुणवत्तापर सवाल
वार्ड संख्या 33 मे एनएच-107 सं मंगलम विवाह भवन धरि नाला आ पीसीसी सड़क निर्माण लेल 14,95,650 टाकाक प्राक्कलित राशि निर्धारित छल। जांच मे सड़क आ नाला दुनूक गुणवत्ता खराब भेटबाक संग कतेको स्थान पर पीसीसी सड़क टूटल पाओल गेल। एहि चारू योजनाक कुल प्राक्कलित राशि करीब 59.54 लाख टाका अछि।
नगर निगम मे विभागीय जांचक ई मामिला एहन समय सोझां आयल अछि, जखन पूर्व मे सेहो विभिन्न नगर आयुक्त—अनुभूति श्रीवास्तव, सुशील मिश्रा आ मुमुक्षु चौधरीक कार्यकाल सं संबंधित विभागीय जांचक चर्चा होइत रहल अछि। वर्तमान मे नगर आयुक्त प्रभात झा छथि। मुदा एहि योजना सभ मे अनियमितताक जिम्मेदारी तय करबाक आ दोषी सभक विरुद्ध कारबाइ करबाक संबंध मे स्थिति स्पष्ट नहि अछि। आब देखबाक अछि जे संबंधित अधिकारी जांच निष्कर्षक समीक्षा क आगू कोन कदम उठबैत छथि।