Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

बेनीपुर-मनीगाछी सड़कक 12म बेर गुणवत्ताक जांच

Avatar
By Samadiya Mithila
October 24, 2026 2 Min Read
0

 

  • 23.92 करोड़क सड़‍कक नमूना दिल्ली पठाओल जायत

 

मनीगाछी, समदिया

बेनीपुर सं मनीगाछी प्रखंड मुख्यालय कें जोड़यवला करीब 18.64 किलोमीटर लंबा सड़कक गुणवत्ता जांच शनिदिन केंद्रीय गुणवत्ता एजेंसीक अधिकारी जगदीश गर्ग कयलनि। जांच दल सड़कक खुदाई कए मोटाइ जांचलक आ निर्माण सामग्रीक नमूना एकत्र कयलक। एहि नमूनासभक जांच दिल्ली स्थित प्रयोगशाला मे कयल जायत। 23.92 करोड़ टाकाक लागत सं बनि रहल एहि सड़कक निर्माण जुलाई 2024 मे शुरू भेल छल आ एकरा जनवरी 2026 धरि पूरा करबाक लक्ष्य छल। मुदा, सझुआर मे 760 मीटर, बाजितपुर मे 540 मीटर आ भंडारिसम मे 2200 मीटर सड़कक निर्माण अधूरा रहल बताओल गेल अछि। सड़क पर गिट्टी उखड़बाक आ ढलाईवला हिस्सा खुरदुरा भए जेबाक शिकायत सेहो सामने आयल अछि। सड़कक गुणवत्ता जांच करय लेल मिथिला संघर्ष मोर्चाक अध्यक्ष डॉ. राम मोहन झा राज्य आ केंद्रीय एजेंसी सभ सं अनुरोध केने छलाह। जांच अधिकारी जगदीश गर्ग कहलनि जे प्रयोगशालाक रिपोर्ट अयलाक बादे सड़कक वास्तविक गुणवत्ता स्पष्ट भए सकत। ओम्हर, ग्रामीण कार्य विभाग (आरडब्ल्यूडी) के सहायक अभियंता सुनील कुमार प्रसाद पहिल नजरि मे काज कें संतोषजनक बतौलनि।

निर्माण एजेंसीक प्रोपराइटर सुमन कुमार झा कहलनि जे सड़कक ई 12म बेर जांच अछि। हुनकर कहब छलनि जे एहि सं पहिने भेल 11 टा जांच मे काज संतोषजनक पाओल गेल छल। ओ दावा कयलनि जे तीनू ठाम अधूरा बताओल जा रहल सड़कक हिस्साक निर्माण पहिनहि आरईओ बेनीपुर द्वारा करा लेल गेल छल। हुनकर एजेंसी शेष 15.64 किलोमीटर सड़कक निर्माण पूरा कए देने अछि। बेर-बेर जांच सं नाराज प्रोपराइटर कहलनि जे भविष्य मे एहि तरहक कारबाइ भेल तं विभागक विरुद्ध मानसिक प्रताड़नाक मुकदमा कयल जायत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल

Next

पुलिस लाइन मे फांसीक फंदा सं लटकल भेटल दरोगाक शव

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • मां चंडी मंदिर परिसरक जीवछ पोखरि मे नवविवाहिताक लास बरामद, हत्याक आरोप
  • पुलिस लाइन मे फांसीक फंदा सं लटकल भेटल दरोगाक शव
  • बेनीपुर-मनीगाछी सड़कक 12म बेर गुणवत्ताक जांच
  • नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल
  • डेढ़ सालक अबोधक बलि, पटना मे पैघ भाइ केलक निर्मम हत्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • मां चंडी मंदिर परिसरक जीवछ पोखरि मे नवविवाहिताक लास बरामद, हत्याक आरोप
  • पुलिस लाइन मे फांसीक फंदा सं लटकल भेटल दरोगाक शव
  • बेनीपुर-मनीगाछी सड़कक 12म बेर गुणवत्ताक जांच
  • नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल
  • डेढ़ सालक अबोधक बलि, पटना मे पैघ भाइ केलक निर्मम हत्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech