डेढ़ सालक अबोधक बलि, पटना मे पैघ भाइ केलक निर्मम हत्या
- निशांक आदी छल आरोपी युवक, मूड़ी काटि दुर्गा कें केलक अर्पित
फोटो : पालीगंज
पालीगंज/पटना, समदिया
पटनाक पालीगंज सं एकटा हृदयविदारक घटना सोझां आयल अछि। एतय एकटा पैघ भाइ अपन डेढ़ सालक छोट भाइ कें गर्दनि काटि हत्या कए देलक। बच्चाक माथ लगक दुर्गा मंदिर मे भेटल अछि। आरोप अछि जे पैघ भाइ अपन छोट भाइ कें घर सं कोरा मे उठा कए लए गेल छल। आरोपित भाय अबोध बच्चा कें गामक मंदिर मे लए गेल आ ओतय ओकर हत्या कए देलक। मंदिर मे बच्चाक शव देखिते लोक स्तब्ध रहि गेल। बच्चाक माथ आ धड़ अलग-अलग पड़ल छल। एहि भयावह घटनाक बाद मंदिर परिसर मे चारू कात खून पसरल छल।
घटनास्थल पर पसरल छल खून
मंदिर मे खून देखलाक बाद स्थानीय लोक तुरंत पुलिस कें सूचना देलनि। घटनास्थल पर पहुंचल पुलिस आरोपित भाइ कें गिरफ्तार कए लेलक। ओकरा सं लगातार पूछताछ कएल जा रहल अछि। जानकारीक अनुसार, रानीतालाब थाना क्षेत्रक जीतन छपरा गाम निवासी रंजू यादवक 22 वर्षीय बेटा अजीत कुमार उर्फ बाला पछिला कतेको मास सं निशाक आदी छल।
निशाक लत मे कएलक भयावह काज
आरोप अछि जे निशाक लत मे अजीत अपन सभ सं छोट भाइ कें पहिने घर सं कोरा मे उठा लेलक। ओ बच्चा कें घर सं करीब 200 मीटर दूर गामक दुर्गा मंदिर मे लए गेल। ओतय पहिने अबोधक गर्दनि काटि देलक आ बाद मे ओकर काटल माथ मां दुर्गाक आगू चढ़ा देलक। गामक लोक जखन मंदिर पहुंचलाह आ ई दृश्य देखलनि, तं तुरंत पुलिस कें सूचना देलनि। एहि जघन्य घटनाक खबरि पूरा गाम मे आगि जकां पसरि गेल। मृत बच्चाक माता-पिता सेहो दौड़ैत मंदिर पहुंचलाह।
माता-पिताक सोझां पड़ल छल अबोधक मूड़ी
मंदिर पहुंचला पर माता-पिता अपन डेढ़ सालक अबोध बेटाक मूड़ी ओतय पड़ल देखलनि। पुलिस तत्परता देखबैत आरोपित अजीत कुमार कें गिरफ्तार कए लेलक। घटना मे प्रयुक्त धारदार हथियार सेहो बरामद कयल गेल अछि।
की कहलनि पुलिस अधिकारी?
घटनास्थल पर पहुंचल पालीगंज डीएसपी-2 पंकज शर्मा पटना एफएसएल (फॉरेंसिक विज्ञान प्रयोगशाला) टीम कें सूचना देलनि। हुनका अनुसार एफएसएल टीम सेहो घटनास्थल पर पहुंचल। पुलिस आ फॉरेंसिक विशेषज्ञ सभ घटनाक गहन जांच कए रहल छथि। डीएसपी कहलनि जे एहि भयावह घटनाक वास्तविक कारण एखन स्पष्ट नहि भए सकल अछि। पुलिस पीड़ित परिवारक सदस्य सभ सं पूछताछ कए रहल अछि आ आरोपित कें गिरफ्तार कए लेल गेल अछि।
पंकज शर्मा, डीएसपी-2, पालीगंज कहलनि जे स्थानीय लोक सभ सं सूचना भेटल छल जे जीतन छपरा गामक दुर्गा मंदिर मे कोनो बच्चाक शव पड़ल अछि। एकर बाद पुलिस टीम तुरंत घटनास्थल पर पहुंचि गेल आ मामिलाक जांच शुरू कए देलक।