Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

पुलिस लाइन मे फांसीक फंदा सं लटकल भेटल दरोगाक शव

Avatar
By Samadiya Mithila
October 24, 2026 2 Min Read
0

 

  • आठ दिन पहिने एएसआई सं एसआई बनल छलाह

 

नवगछिया, समदिया

भागलपुरक नवगछिया पुलिस लाइन मे शनिदिन भोरे पुलिस अवर निरीक्षक (एसआई) योगेश कुमारक शव फांसीक फंदा सं लटकल भेटल। घटना सामने अयलाक बाद पुलिस महकमा मे हड़कंप मचि गेल। घटनास्थल पर पहुंचल एसडीपीओ सहित अन्य पुलिस अधिकारी जांच शुरू कयलनि। फॉरेंसिक टीम सेहो जांच मे जुटल अछि।

पुलिस लाइन मे उपस्थित लोकक अनुसार, शनिदिन भोरे करीब साढ़े चारि बजे योगेश पानिक टंकी बंद करबाक लेल गेल छलाह। ओतय सं लौटबाक बाद अपन कोठरी मे चलि गेलाह। भोरे करीब पांच बजे हुनकर पत्नी फोन कयलनि। 20 सं 25 बेर फोन केलाक बादो जखन फोन नहि उठल, तं ओ सहकर्मी सभ कें फोन कयलनि। सहकर्मी कोठरी पर पहुंचि कतेको बेर दरबज्जा खटखटौलनि, मुदा भीतर सं कोनो आवाज नहि आयल। खिड़की सं देखला पर योगेशक शव फंदा सं लटकल देखाइ पड़ल। मृत्युक कारण एखन स्पष्ट नहि अछि।

तीन मास पहिने भेल छल विवाह

योगेश बांका जिलाक बौंसी-बाराहाट क्षेत्रक रहनिहार छलाह। हुनकर गाम तप्पाड़ीह मे शोक पसरल अछि। एहि वर्ष एक जुलाई कें हुनकर विवाह लखीसराय निवासी गुड़िया कुमारी सं भेल छलनि। हुनकर पत्नी पटना सचिवालय मे काज करैत छथि। दशहराक समय गुड़िया नवगछिया आबि पति संग पर्व मनौने छलीह।

आठ दिन पहिने भेटल छल पदोन्नति

योगेश वर्ष 2020 सं नवगछिया पुलिस लाइन मे तैनात छलाह। ओ मेसक पाछां स्थित बैरकक एकटा अलग कोठरी मे रहैत छलाह। 16 अक्टूबर 2026 कें हुनका सहायक अवर निरीक्षक (एएसआई) सं अवर निरीक्षक (एसआई) पद पर पदोन्नति भेटल छलनि। एहि सं पहिने ओ नवगछिया एसपीक रीडरक रूप मे सेहो काज कए चुकल छलाह। पुलिस सभ पक्ष सं मामिलाक जांच कए रहल अछि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बेनीपुर-मनीगाछी सड़कक 12म बेर गुणवत्ताक जांच

Next

मां चंडी मंदिर परिसरक जीवछ पोखरि मे नवविवाहिताक लास बरामद, हत्याक आरोप

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • मां चंडी मंदिर परिसरक जीवछ पोखरि मे नवविवाहिताक लास बरामद, हत्याक आरोप
  • पुलिस लाइन मे फांसीक फंदा सं लटकल भेटल दरोगाक शव
  • बेनीपुर-मनीगाछी सड़कक 12म बेर गुणवत्ताक जांच
  • नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल
  • डेढ़ सालक अबोधक बलि, पटना मे पैघ भाइ केलक निर्मम हत्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • मां चंडी मंदिर परिसरक जीवछ पोखरि मे नवविवाहिताक लास बरामद, हत्याक आरोप
  • पुलिस लाइन मे फांसीक फंदा सं लटकल भेटल दरोगाक शव
  • बेनीपुर-मनीगाछी सड़कक 12म बेर गुणवत्ताक जांच
  • नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल
  • डेढ़ सालक अबोधक बलि, पटना मे पैघ भाइ केलक निर्मम हत्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech