Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

ईंट-भट्ठा संचालक सभक सुविधाक लेल ब्रिक्स क्लस्टरक भौगोलिक विस्तार होयत : सांसद

Avatar
By Samadiya Mithila
October 24, 2026 2 Min Read
0

 

  • डॉ. गोपाल जी ठाकुर कहलनि जे ईंट-भट्ठा उद्योग कें स्थानीय रोजगार सृजन सं जोड़बाक होयत पहल

 

दरभंगा, समदिया

मिथिला क्षेत्र मे ईंट-भट्ठा उद्योग ग्रामीण अर्थव्यवस्था, स्थानीय रोजगार, आवास एवं निर्माण कार्य आ सरकारी राजस्वक महत्वपूर्ण आधार अछि। दरभंगा आ आसपासक जिला मे बाढ़ि, जलजमाव, मौसमी बेरोजगारी, उत्पादन लागत मे वृद्धि, वित्तीय कठिनाइ आ विभिन्न सरकारी प्रक्रियाक कारण एहि उद्योगक सोझां उत्पन्न चुनौतीसभक समाधान लेल भारत सरकार आ बिहार सरकारक स्तर पर पहल शुरू कयल गेल अछि। स्थानीय सांसद सह लोकसभा मे भाजपा सचेतक डॉ. गोपाल जी ठाकुर शनिदिन लहेरियासराय स्थित अपन संसदीय कार्यालय मे दरभंगा जिलाक ईंट-भट्ठा संचालकसभक संग आयोजित बैसार मे ई जानकारी देलनि।

बैसार मे सांसद डॉ. ठाकुर ईंट-भट्ठा संचालक संघ द्वारा पूर्व मे देल गेल मांगपत्र सभ पर कयल गेल पहलसभक चर्चा करैत कहलनि जे ब्रिक्स क्लस्टरक भौगोलिक क्षेत्रक विस्तार लेल भारत सरकारक ऊर्जा मंत्रालय कें पत्र लिखल जा चुकल अछि।

ओ कहलनि जे दरभंगा जिला मे ईंट उद्योग लेल सरकारी सहायता सं कॉमन फैसिलिटी सेंटर स्थापित करबाक लेल केंद्रीय सूक्ष्म, लघु एवं मध्यम उद्यम मंत्रालयकें, जीएसटी मे विशेष राहति आ सुलभ दर पर ऋण उपलब्ध करयबाक लेल वित्त मंत्रालयकें, पर्यावरणीय स्वीकृतिक प्रक्रिया सं ईंट-भट्ठा उद्योग कें मुक्त करबाक लेल पर्यावरण, वन एवं जलवायु परिवर्तन मंत्रालय कें तथा माटि खनन आ नियामकीय प्रक्रिया मे व्यावहारिक राहति देबाक लेल भूतत्व एवं खान मंत्रालय कें पत्र पठा शीघ्र पहल करबाक आग्रह कयल गेल अछि। सांसद कहलनि जे ईंट-भट्ठा उद्योग स्थानीय स्तर पर रोजगार आ निर्माण कार्य सं जुड़ल महत्वपूर्ण क्षेत्र अछि। एहि उद्योग कें बेसी प्रभावी बनाकऽ रोजगारक अवसर बढ़ाओल जा सकैत अछि। संचालकसभक समस्याक शीघ्र समाधान लेल संबंधित विषय सभ पर पहल कयल जा रहल अछि।

बैसार मे दरभंगा जिला ईंट-भट्ठा संचालक संघक अध्यक्ष जयराम दास, उपाध्यक्ष रजनीश रंजन, सचिव प्रो. एम.ए. निशांत, एजाज हसन, संजय यादव, अशोक ठाकुर सहित दू दर्जन सं बेसी ईंट-भट्ठा संचालक उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

लोक परंपरा सभ सं बच्चा सभ कें कराओल गेल अवगत

Next

जेडीयू अनंत सिंह कें पार्टी सं निकाललक

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल
  • डेढ़ सालक अबोधक बलि, पटना मे पैघ भाइ केलक निर्मम हत्या
  • दरभंगा मे 23.92 करोड़क सड़क निर्माणक जांच, कतेको ठाम काज अधूरा रहबाक शिकायत
  • जेडीयू अनंत सिंह कें पार्टी सं निकाललक
  • ईंट-भट्ठा संचालक सभक सुविधाक लेल ब्रिक्स क्लस्टरक भौगोलिक विस्तार होयत : सांसद

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल
  • डेढ़ सालक अबोधक बलि, पटना मे पैघ भाइ केलक निर्मम हत्या
  • दरभंगा मे 23.92 करोड़क सड़क निर्माणक जांच, कतेको ठाम काज अधूरा रहबाक शिकायत
  • जेडीयू अनंत सिंह कें पार्टी सं निकाललक
  • ईंट-भट्ठा संचालक सभक सुविधाक लेल ब्रिक्स क्लस्टरक भौगोलिक विस्तार होयत : सांसद

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech