‘बिहार मे सरकार वीक, एहि लेल भ’ रहल पेपर लीक’; पटना मे गरजलाह तेजस्वी यादव
पटना। आंदोलनकारी छात्र सभ पर पुलिस फायरिंगक विरोध मे बुधदिन राजदक लोकभवन मार्च प्रस्तावित अछि। मंगलदिन प्रेस-वार्ता कए राजदक कार्यकारी अध्यक्ष तेजस्वी यादव एहि मार्च मे सहभागी बनेबाक लेल युवा आ छात्र सभ सं आह्वान कएलनि। ओ सरकार सं सिवान आ जहानाबाद मे भेल फायरिंगक तथ्य सार्वजनिक करबाक मांग दोहरौलनि।
तेजस्वी यादव पूछलनि जे फायरिंग केकर निर्देश पर भेल आ एके-47 कोन इकाइ आ कोन शस्त्रागार सं आयल? ओ तुकबंदी बला अंदाज मे कहलनि जे बिहार मे सरकार वीक अर्थात कमजोर अछि, एहि लेल पेपर लीक भ’ रहल अछि।
प्रेस-वार्ताक बाद ओ गर्दनीबाग मे धरना दए रहल टीआरई-4 अभ्यर्थी सभ सं भेंट कए हुनका सभकें ढांढस बंधौलनि। ओ कहलनि जे सरकार अभ्यर्थी सभक उचित मांग अविलंब पूरा करए।
तेजस्वी यादव एहि मामिला मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें मौन तोड़बाक लेल कहलनि। ओ केंद्रीय राज्य मंत्री किरण रिजिजू पर संसद कें गुमराह करबाक आरोप लगौलनि।
ओ कहलनि जे रिजिजू संसद मे बतौने छलाह जे फायरिंग नहि भेल, जखनकि बिहार सरकार अपन शपथपत्र मे गोली चलबाक बात स्वीकार कएने अछि। एहन स्थिति मे गृह विभागक भूमिका स्पष्ट होएबाक चाही।
तेजस्वी यादव प्रश्न कएलनि जे पुलिस अधीक्षक कें निलंबित किएक नहि कएल गेल? ओ कहलनि जे बेरोजगारी, पलायन आ पेपर लीकक मामिला मे बिहार नंबर वन अछि। सृजन घोटाला, डस्टबिन घोटाला, इस्टिमेट घोटाला सहित अन्य मामिला कें उल्लेख करैत ओ आरोप लगौलनि जे भ्रष्टाचार कें सरकारी संरक्षण भेटि रहल अछि। नियुक्ति सभ मे सेहो भेदभाव कएल जा रहल अछि।
प्रेस-वार्ता मे प्रदेश अध्यक्ष मंगनी लाल मंडल, आलोक कुमार मेहता, कुमार सर्वजीत, शक्ति सिंह यादव, चितरंजन गगन, एजाज अहमद सहित अन्य नेता सभ उपस्थित छलाह।