पटना, समदिया
पटना आ लगपासक क्षेत्र मे संचालित ई-कॉमर्स आ खुदरा कारोबारक नामी कंपनी सभक गोदाम मे खाद्य सुरक्षा मानकक खुल्लमखुल्ला उल्लंघनक मामिला सोझां आएल अछि। खाद्य सुरक्षा विभागक विशेष जांच मे रिलायंस रिटेलक दूटा गोदाम सहित फ्लिपकार्ट आ बिग बास्केटक भंडारण परिसर मे गंभीर त्रुटि भेटल अछि।
कतहु शीत भंडार मे खाद्य सामग्री खुलल जगह पर छिड़ियाएल छल, तं कतहु खाद्य पदार्थक संग रासायनिक आ अखाद्य वस्तु राखल भेटल। फ्लिपकार्टक गोदाम मे चायक पैकेट आ बाहरी कार्टन पर अंकित बैच नंबर अलग-अलग छल। विभाग 14 दिनक भीतर सभ कमी दूर करबाक नोटिस देलक अछि। त्रुटि दूर नहि भेल तं लाइसेंस निलंबित अथवा रद्द कयल जा सकैत अछि। सभ प्रतिष्ठान सं खाद्य पदार्थक नमूना लए जांच लेल प्रयोगशाला पठाओल गेल अछि।
रिलायंस : गोदाम मे खुलल जगह पर राखल छल खाद्य पदार्थ, फर्श पर गंदगी
पटना सिटीक मौजा जेठुली मे छपाक वाटर पार्कक सामने स्थित रिलायंस रिटेलक गोदामक शीत भंडार मे खाद्य पदार्थ खुलल जगह पर राखल भेटल। फर्श पर गंदगी पसरल छल। गोदाम मे पड़बाक उपस्थिति आ ओकर कारण पसरल गंदगी सेहो भेटल। एतय सं मलाई पनीरक नमूना लए जांच लेल प्रयोगशाला पठाओल गेल। दोसर दिस, दीदारगंजक गौरीचक स्थित रिलायंस रिटेलक गोदाम मे खाद्य आ अखाद्य वस्तु एकहि संग राखल छल। ओतय सं हरदी पाउडर आ मरिच पाउडरक नमूना लेल गेल।
बिग बास्केट : कर्मी सभक स्वास्थ्य प्रमाणपत्र नहि भेटल
मंगहूपुर चिरौरा स्थित बिग बास्केटक गोदामक जांच मे कर्मी सभक अनिवार्य स्वास्थ्य प्रमाणपत्र नहि भेटल। परिसर मे गंदा पानिक निकासक समुचित व्यवस्था सेहो नहि छल। एतय सं वेगन टोफू गोल्ड, बारबेक्यू सॉस आ जीरा पाउडरक नमूना लेल गेल।
फ्लिपकार्ट : चायपत्तीक पैकेट बेचबा पर रोक
बिहटा स्थित फ्लिपकार्टक गोदाम मे टाटा टी गोल्डक 500 ग्रामबला पैकेट पर अंकित बैच नंबर आ कार्टन पर लिखल नंबर मे अंतर भेटल। एहि कारण चायपत्तीक बिक्री पर रोक लगा देल गेल। जांच लेल नमूनो लेल गेल। समुचित रखरखाव नहि रहबाक कारण 31 पीस केक-पेस्ट्री, आंटाक 170 पैकेट, 70 पैकेट कुकीज, 60 पैकेट कॉफी, 24 पैकेट चिप्स आ सीरियल फ्लेक्स असुरक्षित भेटल। एहि सामग्री सभ कें संबंधित एजेंसीक माध्यम सं नष्ट करबाक लेल अधिकृत विक्रेता कें सौंपल गेल। ओतहि 550 सर्विस बॉक्स गंदा आ क्षतिग्रस्त भेटल। सभ बॉक्सक उपयोग तत्काल प्रभाव सं रोकि देल गेल अछि।