फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार
न्यास समितिक श्रद्धालु सभ सं सहयोगक अपील
कुशेश्वरस्थान, समदिया
साओनक अंतिम सोमवारी कें लए कए मिथिलांचलक प्रसिद्ध बाबा कुशेश्वरनाथ धाम मे तैयारी पूरा कए लेल गेल अछि। रविदिन सांझ सं श्रद्धालु सभक पहुंचबाक सिलसिला शुरू भए गेल अछि। अंतिम सोमवारी पर पछिला बरख सभक तुलना मे बेसी भीड़ उमड़बाक संभावना अछि। प्रशासन द्वारा सुरक्षा व्यवस्था कड़ा कए देल गेल अछि। मंदिर परिसर, मुख्य मार्ग, बाजारक चौक-चौराहा आ मेला क्षेत्र मे पुलिस बल आ स्वयंसेवक सभक तैनाती बढ़ा देल गेल अछि। तेसर सोमवारीक तरह मुख्य मार्ग पर बैरिकेडिंग कायम राखल गेल अछि, जाहि सं जलाभिषेक लेल श्रद्धालु सभक पांति सुगमतापूर्वक आगू बढ़ि सकय। शिवगंगा घाट पर सभ सं बेसी सतर्कता बरतल जा रहल अछि। पूरा घाट क्षेत्र कें विशेष सुरक्षा क्षेत्र बनाओल गेल अछि। एतय गोताखोर, पुलिस जवान आ स्वयंसेवक सभ चप्पा-चप्पा मे तैनात रहताह। बाबा कुशेश्वरनाथक दरबार कें रंग-बिरंग फूल आ आकर्षक विद्युत रोशनी सं सजाओल गेल अछि। मेला क्षेत्र मे साफ-सफाईक काज युद्धस्तर पर चलि रहल अछि। न्यास समितिक अध्यक्ष सह एसडीओ शशांक राज आ उपाध्यक्ष सह एसडीपीओ प्रभाकर तिवारी श्रद्धालु सभ सं कीमती आभूषण, बेसी नगदी आ अनावश्यक सामान नहि आनबाक अपील केलनि अछि। ओ सभ अरघाक माध्यम सं जलाभिषेक करबाक, निर्धारि मार्ग आ बैरिकेडिंगक पालन करबाक तथा जलाभिषेकक बाद परिसर मे अनावश्यक रूप सं नहि रुकबाक आग्रह केलनि, जाहि सं पाछांक श्रद्धालु सभ सेहो सुगमता सं दर्शन कए सकथि। अधिकारी सभ बुजुर्ग, महिला, बच्चा आ दिव्यांग श्रद्धालु सभक सुविधाक विशेष ध्यान रखबाक अपील केलनि। संगहि अफवाह पर ध्यान नहि देबाक आ कोनो संदिग्ध वस्तु देखलापर तत्काल प्रशासन कें सूचना देबाक आग्रह कएल गेल अछि। श्रद्धालु सभ सं अपन वाहन निर्धारित पार्किंग स्थल पर राखबाक सेहो अपील कएल गेल अछि।