Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

भागलपुर विक्रमशिला सेतु पर आवागमन मे नहि होयत कठिनाइ; सरकार आ प्रशासन करत व्यवस्था, कहलनि ऊर्जा मंत्री

Avatar
By Samadiya Mithila
August 18, 2026 2 Min Read
0

भागलपुर। भागलपुर मे गंगा नदी पर स्थित लाइफलाइन कहलाबयबला क्षतिग्रस्त विक्रमशिला सेतु केर पुनर्स्थापन (मरम्मतिक) काज 29 अगस्त सं शुरू होयत। एहि दौरान सेतु पर आवागमन पूरी तरह बंद रहत। आगामी दिन मे दुर्गापूजा, कालीपूजा, छठ महापर्व आ गंगाक जलस्तर बढ़ला सं संभावित बाढ़िक स्थिति कें देखैत लोकक समक्ष आवागमनक पैघ संकट ठाढ़ होयबाक आशंका अछि। मुदा बिहार सरकारक ऊर्जा मंत्री शैलेश कुमार उर्फ बुलो मंडल कहलनि जे सेतु केर मरम्मतिक काजक दौरान आम लोक कें कोनो तरहक कठिनाइ नहि होय देल जाएत। सरकार आ जिला प्रशासन वैकल्पिक आवागमन लेल पूरा आ पुख्ता व्यवस्था करत।

ई बात ऊर्जा मंत्री स्थानीय एकटा होटल मे नागरिक विकास समिति सहित विभिन्न सामाजिक संगठन दिस सं आयोजित अभिनंदन समारोह मे पत्रकार सभ सं बातचीतक दौरान कहलनि।

त्योहार आ बाढ़िक मौसम मे पुल बंद होयबाक सवाल पर मंत्री कहलनि, “बाढ़िक समय अछि आ हम सभ स्थिति पर पूरा नजरि रखने छी। पर्व-त्योहार त’ अबैत रहैत अछि, मुदा सुरक्षा आ सेतुक पुनर्निर्माण सेहो बहुत जरूरी अछि। सरकार आ स्थानीय प्रशासन पूरी तरह सतर्क अछि। लोकक सुविधा लेल सभ जरूरी कदम उठाओल जाएत।”

वैकल्पिक व्यवस्था केर रूप मे पीपा पुल बनेबाक चर्चा कें खारिज करैत ओ स्पष्ट कएलनि जे सावन-भादो आ बाढ़िक मौसम मे तेज जलप्रवाहक कारण पीपा पुल हटा लेल जाइत अछि। एहि कारण एहि मौसम मे पीपा पुलक निर्माण तकनीकी रूप सं संभव नहि अछि।

ऊर्जा मंत्री कहलनि जे विक्रमशिला सेतु क्षतिग्रस्त भेल अछि, तेँ एकर स्थायी सुधार आ तकनीकी पुनर्स्थापन मे समय लागब स्वाभाविक अछि। ओ याद करौलनि जे पूर्व मे जखन पुल क्षतिग्रस्त भेल छल, तखन सरकार तत्परता देखबैत रिकॉर्ड 28 दिनक भीतर बेली ब्रिज तैयार करौने छल आ आवागमन बहाल कएल गेल छल।

ओ कहलनि जे वर्तमान मे बेली ब्रिजक माध्यम सं मात्र छोट वाहन सभक परिचालन भ’ रहल अछि। 29 अगस्त सं शुरू होयबला पुनर्स्थापन काज कें तेजी सं पूरा कए नवंबर धरि सेतु कें पूरी तरह दुरुस्त करबाक लक्ष्य अछि। एकर बाद भारी आ पैघ वाहन सभक नियमित परिचालन सेहो सुचारु भए जाएत।

प्रेस वार्तासं पहिने ऊर्जा मंत्री कहलनि जे नागरिक विकास समिति आ अन्य प्रबुद्ध सामाजिक संगठनक प्रतिनिधि सभ सं भागलपुरक समग्र विकासक रोडमैप पर सकारात्मक चर्चा भेल अछि। सरकार भागलपुरक आधारभूत संरचना आ नागरिक सुविधा कें मजबूत करबाक लेल पूरी तरह प्रतिबद्ध अछि।

अभिनंदन समारोह मे जदयू आ भाजपा केर जिलाध्यक्ष, एनडीएक कतेको वरिष्ठ कार्यकर्ता, नागरिक विकास समितिक अध्यक्ष रमण कर्ण, सचिव सत्यनारायण प्रसाद, रामप्रकाश गुप्ता, एजाज अली रोज सहित शहरक विभिन्न सामाजिक संगठनक गणमान्य सदस्य उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

bhagalpur-vikramshila-setu-repair-29-augustगंगा नदीबिहार समाचारबुलो मंडलभागलपुर पुलभागलपुर समाचारविक्रमशिला पुलविक्रमशिला सेतुविक्रमशिला सेतु मरम्मतिशैलेश कुमार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दरभंगा समाचार : भारतक न्यूयार्क बनत मिथिला शोध संस्थान, संजय झा केर पैघ योजना

Next

आरोपी सभक फोटो -वीडियो सोशल मीडिया पर अपलोड पर रोकक मांग, सुप्रीम कोर्ट केंद्र आ राज्य सभ सं मांगलक जवाब

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech