दरभंगा मे शिक्षकक बेटाक गोली मारि हत्या, छाती आ कनपटी मे लागल गोली
- राति आठ बजे घर सं दवाइ लेबा लेल निकलल छल
फोटो : डीबीजी
दरभंगा, समदिया
दरभंगाक कमतौल मे मंगलदिन देर रात 25 वर्षीय युवकक तीन गोली मारि हत्या कए देल गेल। मृतकक सीन आ कनपटी मे गोली लागल अछि। ओकर शव रतनपुर-कलवाड़ा मुख्य सड़कक कात आमक बगीचा लग झाड़ी मे रक्तरंजित अवस्था मे भेटल। मृतकक पहिचान रतनपुर गाम निवासी संजीव कुमारक बेटा आदित्य माधव भारद्वाज उर्फ सत्यमक रूप मे भेल अछि।
पुलिसक अनुसार, आदित्यक विरुद्ध कमतौल थाना मे पहिने सं आठटा मामिला दर्ज अछि। प्रारंभिक जांच मे आशंका व्यक्त कएल गेल अछि जे हत्या दोसर ठाम कएलाक बाद शव कें एतय आनि फेकि देल गेल। हत्या कोन कारणें भेल आ हत्यारा के अछि, तकर जानकारी एखन धरि नहि भेटल अछि। परिजनक अनुसार, आदित्य अपन तीन वर्षीय बेटीक लेल दवाइ अनबाक लेल मंगलदिन सांझ करीब पांच बजे घर सं निकलल छल। राति करीब साढ़े नौ बजे परिजन कें ओकरा गोली लागबाक सूचना भेटल।
मृतकक पिता संजीव कुमार कहलनि जे सांझ करीब सात बजे चारि युवक हुनका बेटा कें कदम चौक अपन मोटरसाइकिल सं लए गेल छल। ओ चारि मे सत्यम झा, रामनाथ महतो आ रंजीत कुमारक नाम बतौलनि।
सांझ 8 बाजि कए 17 मिनट पर आदित्य सं फोन पर गप्प भेल छल, जाहि मे ओ कहलनि जे पापा, दवाइ लए कए आबि रहल छी। राति 9 बाजि कए 45 मिनट पर गामक चौकीदार नुनू पासवान फोन कए गोली लागबाक सूचना देलनि। तकर बाद संजीव कुमार अपन भातीज शिवम कुमार आ अमित कुमारक संग घटनास्थल पर पहुंचलाह। बेटा कें छूबसक प्रयास करयपर डायल-112क पुलिसकर्मी हुनका रोकि देलनि।