Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

खेल

गाले टेस्ट: भारत ने श्रीलंका कें 165 रन सं हरौलक, मानव सुथार झटकलनि 6 विकेट

Avatar
By Samadiya Mithila
August 19, 2026 2 Min Read
0

 

फोटो 1202

भारतीय क्रिकेट टीम गाले इंटरनेशनल स्टेडियम मे खेलल गेल टेस्ट मैच मे श्रीलंका कें 165 रन सं हरा देलक। मानव सुथारक घातक गेंदबाजीक बदौलत टीम इंडिया श्रीलंका कें पांचम दिन दोसर सेशन मे दोसर पारी मे 206 रन पर समेटि गाले टेस्ट अपना नाम कए लेलक। जीतक संग 2 मैचक सीरीज मे टीम इंडिया 1-0 सं आगू भए गेल अछि।

श्रीलंका कें चारिम पारी मे जीत लेल 372 रनक लक्ष्य भेटल छल। टीमक शुरुआत बहुत खराब रहल। श्रीलंका अपन शुरुआती 4 विकेट मात्र 47 रन पर गमा देलक। इएह समय छल, जखन टीमक हार तय भए गेल छल। मुदा कप्तान धनंजय डी सिल्वा (59) आ पहिल पारीक शतकवीर सोनल दिनुशा 84 रनक पारी खेलि टीमक हार किछु समय लेल टारि देलनि, मुदा हुनकर ई प्रयास पर्याप्त नहि छल। दूनूक आउट होयबाक संगहि श्रीलंकाक पारी 77.4 ओवर मे 206 रन पर सिमटि गेल आ 165 रनक पैघ भेद सं मैच गमा देलक।

युवा गेंदबाज मानव सुथार भारत लेल दोसर पारीक हीरो रहलाह। सुथार 23.4 ओवर मे 55 रन दए 6 विकेट लेलनि। एकर अतिरिक्त प्रसिद्ध कृष्णा 2 आ सिराज-जडेजा 1-1 विकेट लेलनि।

भारतीय टीम टॉस जीतिकए पहिने बल्लेबाजी करैत देवदत्त पड्डिकलक 167, केएल राहुलक 82 आ ध्रुव जुरेलक 51 रनक मदति सं 462 रन बनौने छल।

श्रीलंका पहिल पारी मे सोनल दिनुशाक 100 आ निरोशन डिकवेलाक 80 रनक पारीक बावजूद 284 रन पर सिमटि गेल छल आ 178 रन सं पाछां छल।

भारतक दोसर पारी 193 रन पर सिमटि गेल छल। ऋषभ पंत 66 रन बनेने छलाह। 178 रनक बढ़त पर भारत श्रीलंका कें जीत लेल 372 रनक लक्ष्य देने छल।

सीरीजनक दोसर टेस्ट 23 अगस्त सं कोलंबो मे खेलल जाएत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

गाले टेस्ट: भारत ने श्रीलंका कें 165 रन सं हरौलकमानव सुथार झटकलनि 6 विकेट
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सीतामढ़ी पंचायत भवन मे हंगामा, कर्मचारीक पिटाइ

Next

दरभंगा मे शिक्षकक बेटाक गोली मारि हत्या, छाती आ कनपटी मे लागल गोली

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech