दरभंगा मे विश्वस्तरीय शिक्षण संस्थानक हब बनेबाक सांसद केलनि पहल
दरभंगा, समदिया
दरभंगा कें विश्वस्तरीय शिक्षण संस्थानक हब बनेबाक संग मिथिलाक प्राचीन गरिमा, सांस्कृतिक आ धार्मिक विरासतक वैश्विक पहचान देबाक लेल केंद्र आ राज्य सरकारक स्तरपर पहल कएल जा रहल अछि। एहि संबंध मे स्थानीय सांसद सह लोकसभा मे भाजपा सचेतक डॉ. गोपाल जी ठाकुर शुक्र कें पटनास्थित राजभवन मे बिहारक राज्यपाल सैयद अता हसनैन सं भेंट कए विस्तार सं चर्चा कएलनि। एहि अवसरपर सांसद राज्यपाल कें मिथिलाक परंपरा अनुसार पाग आ अंगवस्त्र सं सम्मानित कएलनि। भेंटक दौरान डॉ. ठाकुर दरभंगा मे पटना उच्च न्यायालयक पीठक स्थापना, दरभंगाक दुनू विश्वविद्यालय कें केंद्रीय विश्वविद्यालयक दर्जा देबाक, डब्ल्यूआईटी दरभंगा कें केंद्र सरकारक अधीन संचालित करबाक आ दूरस्थ शिक्षा केंद्रक माध्यम सं पुनः पठन-पाठन शुरू करबाक मांग रखलनि। ओ बेनीपुर आ बिरौल कॉलेज मे एकीकृत बीएड पढ़ाइक शुरुआत, मिथिलाक सांस्कृतिक आ धार्मिक स्थल सभ कें मिथिला सर्किट सं जोड़बाक सहित दू दर्जन सं बेसी विषयपर राज्यपालक ध्यान आकृष्ट करौलनि। सांसद कहलनि जे उत्तर बिहारक करीब आठ करोड़ लोकक सुविधा लेल दरभंगा मे उच्च न्यायालयक पीठ आवश्यक अछि। पटना दूर होयबाक कारण लोक कें न्यायिक काज लेल चारि सं छह-सात घंटा धरि यात्रा करय पड़ैत अछि, जाहि सं समयक संग आर्थिक बोझ सेहो बढ़ैत अछि। ओ दरभंगा मे आईआईटी, एनआईटी, आईआईएम आ राष्ट्रीय डिजाइन संस्थानक स्थापना, बाढ़िक स्थायी समाधान, औद्योगिक विकास आ रोजगारक अवसर बढ़ेबाक आवश्यकता पर सेहो जोर देलनि। सांसद कहलनि जे राज्यपाल सं भेल भेंट दरभंगाक सर्वांगीण विकास लेल महत्वपूर्ण साबित होयत।