Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

प्रेस क्लब मे निःशुल्क स्वास्थ्य जांच शिविर मे 128 लोक उठौलनि लाभ

Avatar
By Samadiya Mithila
September 4, 2026 1 Min Read
0

 

सीतामढ़ी, समदिया

प्रेस क्लब मे पटनाक प्रसिद्ध जय प्रभा मेदांता अस्पतालक सहयोग सं निःशुल्क स्वास्थ्य जांच शिविरक आयोजन कएल गेल। शिविरक उद्घाटन जिलाक सिविल सर्जन डॉ. रविंद्र कुमार यादव आ प्रेस क्लबक वरिष्ठ सदस्य नागेंद्र प्रसाद सिंह संयुक्त रूप सं फीता काटि कएलनि।

एहि अवसर पर सिविल सर्जन डॉ. रविंद्र कुमार यादव आ मेदांता अस्पतालक चिकित्सक विनोद कुमार वर्मा कें प्रेस क्लबक वरिष्ठ सदस्य नागेंद्र प्रसाद सिंह आ अवध बिहारी उपाध्याय अंगवस्त्र प्रदान कए सम्मानित कएलनि। सिविल सर्जन डॉ. रविंद्र कुमार यादव प्रेस क्लबक एहि पहलाक प्रशंसा करैत कहलनि जे आम लोक मे स्वास्थ्यक प्रति जागरूकता लगातार बढ़ि रहल अछि। सरकार सेहो स्वास्थ्य सुविधाक विस्तार आ सुधार लेल लगातार काज कए रहल अछि। आबयवाला समय मे स्वास्थ्य व्यवस्था मे व्यापक परिवर्तन होयत, जाहि सं एकर सीधा लाभ आम लोक कें भेटत। प्रेस क्लबक वरिष्ठ सदस्य आ सामाजिक कार्यकर्ता नागेंद्र प्रसाद सिंह कहलनि जे प्रेस क्लब, सीतामढ़ी समय-समय पर सामाजिक सरोकार सं जुड़ल मुद्दापर काज करैत रहल अछि। एहि क्रम मे लोक कें नीक स्वास्थ्य सुविधा उपलब्ध कराबय आ स्वास्थ्यक प्रति जागरूक करबाक उद्देश्य सं एहि निःशुल्क जांच शिविरक आयोजन कएल गेल। शिविर मे मेदांता अस्पतालक चिकित्सक विनोद कुमार वर्मा आ जनसंपर्क पदाधिकारी तूनीर कुमार लोकक स्वास्थ्य जांच कए आवश्यक चिकित्सकीय परामर्श देलनि। शिविर मे कुल 128 लोक स्वास्थ्य जांच आ चिकित्सकीय परामर्शक लाभ उठौलनि। एहि अवसर पर प्रेस क्लबक अध्यक्ष राकेश रंजन, सचिव आदित्यनंद आर्य, वरिष्ठ सदस्य अवध बिहारी उपाध्याय, दीपक कुमार, साजन शर्मा, आमोद पटेल, अमित झा, सत्यम पांडे, हरिशंकर, जफर खान, सामाजिक कार्यकर्ता संगीता चौधरी सहित पैघ संख्या मे लोक उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#samadiyaMithila#सीतामढ़ी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

कलश यात्राक संग भेल कृष्ण जन्मोत्सवक उद्घाटन

Next

दरभंगा मे विश्वस्तरीय शिक्षण संस्थानक हब बनेबाक सांसद केलनि पहल

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech