कलश यात्राक संग भेल कृष्ण जन्मोत्सवक उद्घाटन
मधुबनी, समदिया
लदनियां प्रखंडक नोनदरही गाम मे आयोजित 76म चारि दिवसीय कृष्ण जन्मोत्सव आ मेलाक उद्घाटन शुक्रदिन वैदिक मंत्रोच्चारणक बीच फीता काटि कए जिला परिषद् सदस्य ललिता देवी द्वारा कएल गेल। उक्त कार्यक्रमक आयोजन 51 कन्या आ 551 महिलाद्वारा निकालल गेल कलश यात्राक उपरांत कएल गेल। एहि अवसर पर सांस्कृतिक कार्यक्रम आ नाच-गानक व्यवस्था कएल गेल अछि। कार्यक्रमक अध्यक्षता पूजा समितिक अध्यक्ष रोहित कुमार यादव केलनि। पंडित राजेंद्र झा वैदिक मंत्रोच्चारणक संग विधिवत पूजा-अर्चना करबैत कार्यक्रमक शुभारंभ करौलनि। कार्यक्रम मे पूर्व मुखिया रामदेव यादव, मुखिया पति रामचंद्र यादव, राजद नेता विष्णुदेव भंडारी, ध्यानी यादव, ध्रुव नारायण महतो, हरिनारायण सहनी, रमेश प्रसाद सुमन, अशोक कुमार साफी, रामसेवक साफी, प्रवीण साफी, राजा कुमार साह, रघुवीर यादव, रामबाबू यादव, रतन पासवान, कृष्णा कुमारी यादव, सूरज यादव आ जागेश्वरी यादव सहित अन्य लोक उपस्थित छलाह।