बाबूबरही लूटक घटना 24 घंटाक भीतर उद्भेदन, चारि अपराधी गिरफ्तार
3 देसी कट्टा, 3 जिंदा कारतूस, 2 मोटरसाइकिल, 2.5 किलो गांजा आ 2.36 लाख रुपैया बरामद मधुबनी, समदिया बाबूबरही थाना क्षेत्र मे भेल लूटक घटनाक पुलिस 24 घंटाक भीतर सफलतापूर्वक उद्भेदन करैत चारि अभियुक्त कें गिरफ्तार कए लेलक अछि। गिरफ्तार अभियुक्त…
पटना विश्वविद्यालय परिसर मे सुतली बम फोड़ल गेल, जियोग्राफी विभाग परिसर मे धमाका
लग मे ठाढ़ छात्र बाल-बाल बचलाह पटना। पटना विश्वविद्यालयक जियोग्राफी विभाग परिसर मे धमाका भेल अछि। परिसर मे सुतली बम फेंकल गेल अछि। घटनाक जानकारी छात्र सभ पुलिस कें देलनि। पुलिस मौकापर पहुंचल आ मामिलाक जांच-पड़ताल शुरू कए देलक। बताओल जा रहल अछि जे…
ब्रिक्स सम्मेलनक दौरान दिल्ली मे लगाओल जायत मिथिला पेंटिंगक विशेष गैलरी
मिथिला चित्रकला संस्थान, मधुबनी सं उच्च गुणवत्ता बला प्रतिनिधि पेंटिंग मंगाओल गेल अछि 8 सं 15 सितंबर धरि चलत ई प्रदर्शनी मधुबनी, समदिया ब्रिक्स सम्मेलनक अवसर पर मिथिला चित्रकला कें अंतरराष्ट्रीय मंच पर नव पहिचान देबाक लेल राजधानी दिल्ली मे…
कलश यात्राक संग भेल कृष्ण जन्मोत्सवक उद्घाटन
मधुबनी, समदिया लदनियां प्रखंडक नोनदरही गाम मे आयोजित 76म चारि दिवसीय कृष्ण जन्मोत्सव आ मेलाक उद्घाटन शुक्रदिन वैदिक मंत्रोच्चारणक बीच फीता काटि कए जिला परिषद् सदस्य ललिता देवी द्वारा कएल गेल। उक्त कार्यक्रमक आयोजन 51 कन्या आ 551…
श्रीकृष्ण जन्मोत्सव कें लए कए निकलल कलश शोभायात्रा
कमला नदी सं जल बोझि पूजा स्थल पहुंचल श्रद्धालु सभक टोली जयनगर, समदिया श्री श्री 108 श्री कृष्ण जन्मोत्सव समिति, सुभाष चौक गोइत टोल, जयनगरक तत्वावधान मे श्रीकृष्ण जन्मोत्सव कें लए कए शुक्रदिन भव्य कलश शोभायात्रा निकालल गेल। भक्तिमय वातावरण…
मिथिला पेंटिंग संस्थान मे गुरु वंदना छात्र सम्मान कार्यक्रम
गुरुजन आ मेधावी छात्र सभ सम्मानित मधुबनी, समदिया चित्राक्षर संस्थाक संस्थापिका डॉ. अरुणा झा कोलकाता सं आबि कएलनि सम्मान समारोह, मिथिलाक्षर लेखन पर आधारित दूटा पेंटिंग संस्थान कें समर्पित मिथिला चित्रकला संस्थानक सभागार मे संस्थानक दिस सं एक भव्य…
राष्ट्रीय लोक अदालत लेल झंझारपुर न्यायालय परिसर सं 3 ई-रिक्शा विदा, गाम गाम होयत प्रचार
प्रधान जिला न्यायाधीशक निर्देश पर 12 सितंबर कें लागत राष्ट्रीय लोक अदालत झंझारपुर, समदिया राष्ट्रीय लोक अदालत कें सफल आ प्रभावकारी बनेबाक लेल झंझारपुर मे जागरूकता अभियान तेज भए गेल अछि। बृहस्पति कें झंझारपुर न्यायालय परिसर सं 3 प्रचार वाहन…
विकराल भेल बाढ़ि, देखिते-देखिते गंगा मे विलीन भए गेल मंदिर
कोसी-गंगा-गंडक समेत कतेको नदी खतरा निशान सं ऊपर फोटो : कोसी पटना, समदिया बिहार मे बाढ़िक संकट एखनहुं टरल नहि अछि। नेपाल आ बिहार मे भेल बरखाक बाद कोसी, गंडक, गंगा, बूढ़ी गंडक, बागमती, पुनपुन आ घाघरा समेत कतेको प्रमुख नदीक जलस्तर खतरा अथवा चेतावनी…
राष्ट्रीय लोक अदालत मे 50 प्रतिशत धरि छूट सं निपटत पुरान ई-चलान : डीटीओ
12 सितंबर कें होयत तृतीय राष्ट्रीय लोक अदालत 1 सं 11 सितंबर धरि डीटीओ कार्यालय मे हेल्पडेस्क सहरसा, समदिया आगामी 12 सितंबर कें आयोजित होमयबला तृतीय राष्ट्रीय लोक अदालत मे यातायात नियमक उल्लंघन सं संबंधित लंबित ई-चालानक अधिक सं अधिक निष्पादन…
जर्जर भवनक कारण प्राथमिक विद्यालय इस्लामपुर सं झंझारपुर भेल शिफ्ट
आब अढाई किलोमीटर दूर पढ़ए जाएत छोट छोट बच्चा झंझारपुर, समदिया प्रखंडक प्राथमिक विद्यालय इस्लामपुरक भवन जर्जर भए गेलाक कारण आ दुर्घटनाक आशंका कें देखैत शिक्षा विभाग पैघ कदम उठौने अछि। विद्यालयक संपूर्ण संचालन अगिला आदेश धरि प्रखंड…