जर्जर भवनक कारण प्राथमिक विद्यालय इस्लामपुर सं झंझारपुर भेल शिफ्ट
- आब अढाई किलोमीटर दूर पढ़ए जाएत छोट छोट बच्चा
झंझारपुर, समदिया
प्रखंडक प्राथमिक विद्यालय इस्लामपुरक भवन जर्जर भए गेलाक कारण आ दुर्घटनाक आशंका कें देखैत शिक्षा विभाग पैघ कदम उठौने अछि। विद्यालयक संपूर्ण संचालन अगिला आदेश धरि प्रखंड परिसर, झंझारपुर स्थित उत्क्रमित मध्य विद्यालय मे स्थानांतरित कए देल गेल अछि। नव ठाम पर विद्यालयक संचालन मंगलदिन सं शुरू होयत।
एहि संबंध मे प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी, झंझारपुर द्वारा कार्यालय आदेश ज्ञापांक 455/झंझारपुर, दिनांक 29/08/2026 जारी कएल गेल अछि। आदेश मे कहल गेल अछि जे प्रधान शिक्षकक आवेदन आ जिला कार्यक्रम पदाधिकारी, प्रारंभिक शिक्षा एवं समग्र शिक्षा अभियान, मधुबनीक निर्देशानुसार ई निर्णय लेल गेल अछि। विभाग सुरक्षा कें ध्यान मे राखि विद्यालय कें स्थानांतरित करबाक निर्णय तं लए लेलक, मुदा नव ठाम पर विद्यालय शिफ्ट भेला सं एकटा नव समस्या सेहो ठाढ़ भए गेल अछि। कहल जाइत अछि जे इस्लामपुर सं प्रखंड परिसर स्थित उत्क्रमित मध्य विद्यालयक दूरी लगभग ढाई किलोमीटर सं बेसी अछि।
एहि परिस्थिति मे जे छोट-छोट बच्चा अपन घरक लग स्थित विद्यालय मे पढ़ऽ जाइत छल, हुनका आब प्रतिदिन ढाई किलोमीटर दूर स्कूल जाए पड़त। एहि सं बच्चा आ हुनकर अभिभावक मे चिंता बढ़ि गेल अछि। अभिभावकक कहब अछि जे एतेक दूरी तय कए छोट बच्चासभक स्कूल पहुंचनाइ बहुत कठिन होयत। आब देखबाक बात होयत जे सरकारक एहि निर्णयक बाद उक्त विद्यालय मे नामांकित बच्चासभक उपस्थिति कोना रहैत अछि। एहि बीच आदेशक प्रतिलिपि संबंधित प्रधान शिक्षक, डीपीओ मधुबनी, एसडीएम झंझारपुर आ जिला शिक्षा पदाधिकारी, मधुबनी कें सूचनार्थ पठाओल गेल अछि।